याकुब 3
3
आपन मुहके सैतके राख
1हे हमर भाइ-भैयासब, तोरासबमेसे बहौत गोरा मन्डलीमे बचन सिखाइबला हैले नै खोज, कथिलेकी सिक्छा दैबलाके नियाय दोसर लोकसे बेसी कठोरसे हेतै से तुसब जानैचिही। 2बास्तममे अपनासब भुलचुकमे बहौतरा गल्ती करैचियै। बोलि-बचनमे कहियो गल्ती नै बाजैबला लोक सिध लोक चियै। उ लोक आपन पुरा सरिरमे लगाम लगाइले सक्तै। 3अपनासब घोराके आपन बसमे राखैले मुहमे लगाम लग्यादैचियै तब जने लजाइले चाहैचियै तने लजाइले सकैचियै। 4तैहनङ कैरके बरका पानी जहाजो तेज बहैबला हबासे चलैछै। तैयो जहाज चलाइबला ओकरा छोट पतबारसे जने भरा मन हैछै तने भरा घुम्याके लजाइले सकैछै। 5तहिनङे मुह देहके एकटा छोट अङ चियै, महज बरका बरका बातमे घमन्ड करैछै। छोटसे छोट आइगके लुतीसे बरकासे बरका जङगलमे आइग लगादैछै।
6मुह आइगे जखा चियै। यि देहके अङसबमे सबसे दुस्ट चियै। यि पुरे जिबनमे कलंक लगाइछै। यि नरकके आइग पजाइरके पुरे जिन्गीमे आइग लग्यादैछै। 7सब परकारके जानबर, चिरै-चुरगुन, जमिनमे ससरैबला आ समुन्दरके सब जिबसबके लोक आपन बसमे कैरसकैछै आ बसमे करनेछै। 8महज मुहके कोइ नै बसमे करे सक्ने छै। मुह एहेन अधलाह चिज चियै जे कखनो बसमे नै रहैछै आ परान लैबला बिखे-बिखसे अकरमे भरल रहैछै। 9अपनासब अहै मुहसे परभु आ पिताके धन्यबाद दैचियै आ एह्या मुहसे परमेस्वरके स्वरुपमे रचलगेल लोकके सरापो दैचिही। #उतपती १:२६ 10एकेटा मुहसे आसिरबाद आ सराप दुनु निकलैछै। हे हमर भाइ-भैयासब अनङ त नै हैकेचाही! 11कि एकेटा भभरीसे तित आ मिठ पानी निकलैछै? 12हे हमर भाइ-भैयासब, अन्जिरके गाछमे जैतुन या अङगुरके लतिमे अन्जिर फरैछै? तहिनङ नोनगर पानीके भभरीसे मिठ पानी नै बहैछै।
स्वरगसे आबैबला बुइध
13तोरासबमेसे बुधिमान आ बुझैबला लोक के छै? उ आपन असल चालचलनसे बुइधके नमरतासे निक काम कैरके देखाबे। 14महज यदि तोरासबके मनमे जरनी आ स्वारथ छौ त आपन बुइधमे घमन्ड नै कर आ सतके झुठ नै बना। 15एहेन बुइध स्वरगसे नै आबैछै, महज यि त सनसारसे, लोकके आपन चाहनासे आ सैतानसे आबैछै। 16जते डाह आ स्वारथ छै, ओते गन्जागोल आ सब परकारके दुस्ट कामसब हैछै। 17महज स्वरगसे आबैबला बुइध त सबसे पहिने असल हैछै, तकरबाद उ सान्ती दैबला, नमर, बिचारसिल आ दयासे भरल रहैछै आ असल कामसे परकट हैछै। अइमे पक्छपात करैबला बात आ छलकपट करैबला बात नै रहैछै। 18सान्ती चाहैबला लोक एक-दोसरमे मेलमिलापमे रहैछै, परिनाम स्वरुप उसब धारमिक जिबन जियैछै।
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.