Ves al contingut

याकुब 2

2
पक्‍छपातके बिरोधमे चेताबनी
1हे हमर भाइ-भैयासब, तुसब महिमासे भरल आपन परभु येसु खिरिस्‍टके बिस्‍बास करैबला लोक भेलाके कारन तुसब ककरो पक्‍छपात नै कर। 2तुसब सम्‍मेलनमे असल-असल बस्‍तर आ सोनाके औंठी लगाइबला धनिक लोक एतौ आ दोसर फाटल-चिटल कुरता, धोती पिन्‍हने लेरहल-घोरहल लोक सोहो एतौ त, 3तैबखत तुसब असल-असल पिन्‍हैबला धनिक लोकके आदर करैत बिसेस धियान दैत कहबिही, “आबु, आबु, स्‍वागत अैछ, अहाँ अते निक ठाममे बैठु” महज ओतै गरिबके “ओतै ठार भेलरह या ओतै भुइयामे हमर टाङलग बैठ” कैहके कहबिही त, 4कि तुसब आपने बिचमे भेदभाव नै करलिही आ गलत बिचार करल दोख नै लाग्‍तौ?
5हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, सुन। कि परमेस्‍वर सनसारके गरिबसबके बिस्‍बासमे धनिक बनाके ओइ राजके हकदार हैकेलेल नै चुन्‍नेछै? ओह्‍या राज ओकरा परेम करैबलासबके उ दैले परतिग्‍या करनेचियै नै? 6महज तुसब त गरिबसबके अपमान करनेचिही। कि धनिक लोकसब तोरासबके अत्‍याचार नै करैछौ? कि उसब तोरासबके अदालतके अगा घिसयाइत नै लजाइछौ से? 7येसुके बदनाम करैबला ओह्‍यासब नै चियै? तुसब त ओकर लोकसब चिही आ ओकर उच नामसे परिचीत चिही।
8यदि तुसब “आपन परोसियासबके आपने जखा परेम कर” कैहके पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल परमेस्‍वरके राजकिय नियमके पालन करैचिही त तुसब असले करैचिही। 9महज बाहरी रुप देखके लोकसबसङे बेबहार करबिही त तुसब पाप करैचिही आ परमेस्‍वरके पबितर बेबस्‍था तोरासबके दोसी ठहराइतौ। 10यदि कोइ बेबस्‍थाके एकोटा बातके अपहेलना करतै त ओकरा पुरे बेबस्‍थाके अपहेलनाके दोख लाग्‍तै। 11कथिलेत “बेबिचार नै कर” आ “हतिया नै कर” सेहो कहनेछै। तैदुवारे बेबिचार नै करबिही महज लोकके हतिया करबिही त बेबस्‍थाके भङ करैके दोख लाग्‍तौ। 12अहैलेल तोरासबके बोली आ बेबहार स्‍वतन्‍तरताके बेबस्‍था बमौजी नियाय पाबैबलासब जखा हेबे। 13कथिलेकी जे लोक किरपा नै करैछै ओकर नियाय किरपे बिनाके हैछै। किरपा नियायके उपर बिजय हैछै।
बिस्‍बास आ काम
14हे हमर भाइ-भैयासब, यदि कोनो लोक “हम परमेस्‍वरमे बिस्‍बास करैचियै” त कहतै, महज ओकर इक्‍छा बमौजी नै चल्‍तै त कोन फाइदा? कि एहेन लोकके परमेस्‍वर बचाइतै त? 15यदि कोनो भाइ या बहिनके पिन्‍हैले आबसेक बस्‍तर आ खाइले दिनदिनके भोजन नै छै। 16तकरा तोरासबमेसे कोइ “सान्‍तीसे जो, गरमाके रह आ भैर पेट खो” कहबिही महज ओकर सरिरके लेल आबसेक भेल चिज किछो नै देब्‍ही त कथी फैदा भेलै? 17बिस्‍बासो ओहिनङ हैछै। काम नै करैबला बिस्‍बास त मरल बिस्‍बास चियै।
18महज कोइ हमरा पुछतै, “कि तु परमेस्‍वरमे बिस्‍बास करैचिही?” हम त कहबै, “हम ओकर आग्‍या अनुसार काम करैचियै। ओकर आग्‍यापालन बिना करल आपन बिस्‍बास देखा त? हम त कामसे आपन बिस्‍बास देखाइबै।” 19परमेस्‍वर एकेटा छै कैहके तु बिस्‍बास करैचिही। बहौत निक! महज एहेन बिस्‍बास त भुतोसब करैछै आ डरसे थरथर कापैछै। 20हे मुरुख, कामबिनाके बिस्‍बास बेरथ हैछै से बात तोरासबके थाह नै छौ? 21अपनासबके पुरखा अबराहमके बारेमे बिचार कर। कि उ आपन बेटा इसहाकके बेदीमे बली दैबला काम कैरके परमेस्‍वरके अगा धरमी नै ठहरल से? #उतपती २२:१-१४ 22बिस्‍बास आ काम सङ-सङे रहैछै से बात नै देखलिही? ओकर आग्‍या पालनसे ओकर बिस्‍बास परमानित भेलै। 23अबराहम परमेस्‍वरमे बिस्‍बास करल्‍कै आ परमेस्‍वर ओकरा धरमी ठहरेल्‍कै कैहके पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल बात ओकर करल कामसे पक्‍का साबित करैछै। ओहैसे उ परमेस्‍वरके सङी कहलगेलै।#उतपती १५:६, २ इतिहास २०:७, यसैया ४१:८ 24बिस्‍बास मातरे कैरके नै हैछै, महज बिस्‍बास अनुसार काम करैबलासबके परमेस्‍वर धरमी ठहराइछै से बात देखलिही। 25राहाब बेसियाके बारेमे बिचार कर। सुराकी करैले गेल इजराएलीसबके घोसारल्‍कै आ दोसरकातके रस्‍तासे भागैके लेल ओइसबके उ मदत करल्‍कै। एहेन ओकर करल कामसे परमेस्‍वर ओकरा धरमी ठहराइल्‍कै।#यहोसु २:१-२१ 26जनङ परान बिनाके देह मरल रहैछै, तैहनङे कामबिनाके बिस्‍बास मरल रहैछै।