२ थेसलोनिकी 3
3
परथनाके लेल अनुरोध
1अन्तमे हमर भाइसब, हमरासबके लेल परथना करैतरह, ताकि परभुके बचन तोरासबके बिचमे फैलल जखा जल्दीसे फैले आ अकर आदरकेसाथ सुइकार हेबे। 2परमेस्वर हमरासबके खराब आ दुस्ट लोकसबसे बचाबे कैहके परथना कैरदे, कथिलेकी सब लोकसब परमेस्वरके बचनमे बिस्बास नै करैछै। 3महज परभु बिस्बासयोग्य छै आ उ तोरासबके बौकार बनेतौ आ सैतानसे बचेतौ। 4हमरासबके कहल सब बात तुसब माइनते आइबरहलचिही आ माइनते जेब्ही से परभुमे हमरासबके पुरा भरोसा छै। 5तोरासबके हिरदय परमेस्वरके परेमके बुझैले आ खिरिस्टके जखा सहैबला सक्ती परभु देबे।
कोढिया सबके चेताबनी
6भाइसब, अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके नाउमे हमसब तोरासबके यि आग्या करैचियौ कि, जे बिस्बासी लोकसब हमरासबके देल सिक्छा अनुसार नै चलैछै आ कोढिया छै ओकरासबके सङहतसे दुरे रह। 7कथिलेकी कनङके हमरासबके देखासिखी करैके चाही से तुसब जान्बे करैचिही। हमसब तोरासबसङे रहलियौ त कोढिया भ्याके नै रहलियौ। 8हमसब बिना टकाके ककरो खाइबला चिज नै खेलियै। बल्की दिनरात दुख सहैत आ पसेना चुबाइत मेहनत करलियै ताकि तोरासबमेसे ककरो उपर भार नै परे। 9सहायता पाबैके हक नै चियै से बात नै, बल्की तोरासबके लेल एकटा सिख हेबे कैहके हमसब ओनङ करलियै। 10हमसब तोरासबसङे रहैतकाल तोरासबके यि आग्या करने छेलियौ, “यदि जे कोइ काम नै करैछै से कोइ खाना नै खाए।”
11तोरासबमेसे कतहेक गोरा कोढिया छौ कैहके हमसब सुन्ने चियौ। कामके नाममे एकटा सिन्का तक नै तोरैछै, महज आनगोराके काममे लब-लब करैछै।
12हमसब एहेन लोकसबके परभु येसु खिरिस्टके नाममे आग्या आ अरती दैचियै कि उसब चुपचाप काम करे आ आपन कमाइ खाए। 13देख हमर भाइसब, भलाइके काम करैले कहियो नै थाक। 14तोरासबमेसे कोइगोरा हमसब यि चिठीमे लिखल आग्या नै मानैछौ त ओकरा डिठीयाइने रह। ओकरसङे सङहत नै राख ताकि उ लाजमे परे। 15तैयो ओकरा दुस्मन नै मान, महज एकटा भाइ माइनके चेताबनी दहै।
बिदाइ आ आसिरबाद
16आब सान्ती दैबला परभु आपनेसे हरघरी आ हरतरहसे तोरासबके सान्ती देबे। परभु तोरासबगोरा सङे रहे।
17हम पावल आपने हाथसे गोरलगी लिखके पठाइचियौ। हमर सब चिठीके चिन्हैबला चेन्हा इहे चियौ। हम अहिनङेके लिखैचियै।
18अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके अनुगरह तोरासबकोइ सङे रहे।
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.