२ थेसलोनिकी 2
2
अधरमके लोक
1भाइ-भैयासब, अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट फेनो एतै। हमसब एकेसाथ ओकरसङे भेटब, महज हमसब तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि,#१ थेसलोनिकी ४:१५-१७ 2अपनासबके परभु आबैबला दिन भेलौ कहतौ त तुसब नै घबरा आ भरममे नै पर। ओइ दिनके बिसयमे कोइ अगमबानीसे, कोइ बोलिसे आ कोइ-कोइ हमरेसब जखा लिखल चिठीसे भरममे पारैले खोज्तौ तैयो बिस्बास नै करिहे। 3महज तोरासबके कोइयो नै कोनो परकारसे धोखा देबे। कथिलेत परमेस्वरके बिरोधमे बहौत बरका बिरोध नै हेबेतलिक आ नास हैबला बेबस्था भङ करैबला लोक नै आबैतलिक परभुके दिन नै एतै। 4बेबस्था भङ करैबला लोक आपने बरका भ्याके लोकसब परमेस्वर मानैबला सब चिजसबके आ पुजा-पाठ करैबला सब चिजके बिरोध करतै। उ त परमेस्वरके मन्दिरमे बैठके उ आपनेके परमेस्वर चियै कहतौ।#दानिएल ११:३६, इजकिएल २८:२ 5सङे रहैत यि सब बात त हम तोरासबके पैहनै कहने छेलियौ, नै? 6उ आपन समयमे परकट हेबे तै हेतुसे कोनो बात ओकरा अखुन तलिक रोइक रहल छै, यि त तुसब जाइन्ते चिही। 7उ बेबस्था भङ करैबला आपन कामसब भितरे भितर सुरु कैरलेने छै। महज ओकरा जे सक्ती पकरने छै, उ सक्ती नै हटैतक ओकरा रोक्ने रहतै। 8उ बेबस्था भङ करैबला लोक परकट हेतै। जकरा परभु येसु आपन मुहके एक साँसमे नास करतै। परभु येसुके आपन आगमनके चमकके तेजसे ओकरा नास करतै।#यसैया ११:४
9उ बेबस्था भङ करैबला सैतानके सक्ती ल्याके एल रहैछै, तब सब तरहके झुठा चेन्हा आ अजगुत-अजगुतके कामसबके चेन्हा देखाइतौ।#मती २४:२४ 10नास हैबलासबके उ दुस्टतासे छकाइतै, कथिलेत उसब मुक्ती दैबला सतके नै मन पराइल्कै। 11तैखातिर उसब झुठे बात पतियाबे कैहके परमेस्वर भरमाइबला सक्तिके पठाइतै। 12अहिनङे जे कोइ सतमे बिस्बास नै करल्कै आ अधरम मे मग्न रहतै उसब दोसी ठहरालजेतै आ सजायके भागिदार हेतै।
अस्थिर रह
13परभुके परेम करल भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हमसब हरदम परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइले बिबस चियौ, कथिलेत परमेस्वर सुरुवेसे तोरासबके मुक्ती दैकेलेल चुनल्कौ। उ मुक्ती तोरासबके पबितर बनाइले पबितर आत्मासे आ सत बातमे तोरासबके करल बिस्बाससे आबैछै। 14अहै खातिर अपनासबके सुनाल सुसमाचारसे परमेस्वर तोरासबके बोलाइल्कौ। हमरासबके परभु येसु खिरिस्टके महिमा तोरोसबके मिले कैहके उ तोरासबके बोलाइनेछौ। 15तहै खातिर भाइ-भैयासब, आपन बिस्बासमे अस्थिर भ्याके रह, उ चाहे बोलि-बचनसे हेबे, चाहे लिखल चिठीसे हेबे, तुसब जे सिक्छा पाबनेचिही ओकरा पकरने रह। 16आब अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट आ अपनासबके परमेस्वर पिता अपनासबके परेम करल्कै। उ आपन अनुगरहसे अनन्त उत्साह आ असल आस देल्कै। 17तोरासबके ओकरेसबसे सब असल काममे साहस आ बचनमे सक्ती मिले।
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.