Chapa ya Youversion
Ikoni ya Utafutaji

मती 12

12
पबितर बिसराम दिनके परभु
(मरकुस २:२३-२८, ३:१-६, लुका ६:१-११)
1ओहै समयमे येसु आपन चेलासबसङे पबितर बिसरामके दिनमे गहुम खेत हैत जाइछेलै। ओकर चेलासबके भुख लागलछेलै तब उसब गहुमके सिससब तोइरके हाथसे मिरके खाइले लाग्‍लै।#बेबस्‍था २३:२५ 2यि देखके फरिसीसब येसुके कहल्‍कै, “देखु, अहाँके चेलासब पबितर बिसराम दिनमे जे काम करैले उचित नै छै ओह्‍या काम करैए।”
3येसु उसबके जबाफ देल्‍कै, “दाउद आ ओकर साथि-सङिसबके भुख लागल बखत कथी करने छेलै, से बात तुसब पबितर धरमसास्‍तरमे नै पढने चिही?#१ सामुएल २१:१-६ 4उ परमेस्‍वरके पालमे ढुइकके चरह्‍याल रोटी साथीसबसङे मिलके खेल्‍कै। जबकि अपनासबके नियम अनुसार पुजारी बाहेक औरो ककरो खाइले उचित नै छै।#लेबी २४:९ 5कि तुसब मोसाके बेबस्‍थामे नै पढने चिही, जे पुजारीसब बिसरामके दिनमे मन्‍दिरमे नियम बिपरित काम करैछै, तैयो उसब निरदोस ठहरैछै?#गन्‍ती २८:९-१० 6महज हम तोरासबके कहैचियौ कि, अते कोइ छै, जे मन्‍दिरोसे महान एकगोरा छै। 7हम ‘बैलभोग नै, महज दया चाहैचियै’ तैके मतलब तोरासबके थाह रहतियौ त निरदोसके दोस नै लगाइतिही।#मती ९:१३, होसे ६:६ 8कथिलेत मानबके बेटा बिसरामो दिनके परभु चियै।”
9तकरबाद येसु ओतेसे निकैलके यहुदीसबके सभाघरमे गेलै। 10ओते एकटा सुखलहा हाथबला लोक छेलै। तब फरिसीसब येसुके दोस लगाइके बिचारसे ओकरा पुछल्‍कै, “कि बिसरामके दिनमे बिमार लोकसबके निक करनाइ उचित छै?” 11येसु उसबके जबाफ देल्‍कै, “माइनले कि तोरासबमेसे ककरो एकटा भेंरा बिसरामके दिनमे खधियामे खैस परतौ त कि ओकरा झटसिना पकैरके बाहर नै निकालबिही?#लुका १४:५ 12एकटा भेंरासे त लोकके मोल बेसी छै। तैखातिर बिसराम दिनमे भलाइ करनाइ उचित छै।” 13तकरबाद येसु सुखलाहा हाथबलाके कहल्‍कै, “तोहर हाथ पसार!” उ हाथ पसारल्‍कै आ दोसर निक्‍हा हाथ जखा निक भ्‍यागेलै। 14महज फरिसीसब सभाघरसे बाहर निकैलके ओकरा कनङके मारबै कैहके आपनेमे सल्‍लाह करेलाग्‍लै।
परमेस्‍वरके छानल सेबक
(मरकुस ३:७-१२, लुका ६:१७-१९)
15जब येसु आपन बिरोधमे सल्‍लाह करैबला बात थाह पाबल्‍कै तब ओतेसे निकैलके चैलगेलै आ बहुतो लोकसब ओकर पछा लाग्‍लै। तब येसु सब रोगी-बिमारीसबके निक करल्‍कै। 16महज येसु उसबके हमर बारेमे ककरो नै कहिहे कैहके करा आग्‍या देल्‍कै। 17अहिनङे परमेस्‍वरके यि बचन पुरा भेलै जे यसैया अगमबक्‍ता दुवारा कहने छेलै-
18“हमर सेबकके देख, जकरा हम छान्‍ने चियै।
ओकरासे हम एकदम खुसी चियै।
हम आपन आत्‍मा ओकरमे राइखदेबै
आ उ जाती-जातीके नियायके घोसना करतै।#यसैया ४२:१-४
19नै त उ झगरा करतै, नै त जोर-जोरसे हल्‍ला करतै, नै कोइ ओकर अबाज गल्‍लीमे सुन्‍तै।
20नै त उ सरल नरकटके तोरतै
आ नै मिरी-मिरी बरैबला डिबियाके बुतेतै।
अन्‍तमे उ नियायके जितमे पुगेतै।
21आ सब जातिके लोकसब ओकरे नाममे आसा राख्‍तै।”
येसु आ बालजिबुल
(मरकुस ३:२०-३०, लुका ११:१४-२३)
22तब लोकसब एकटा भुत आत्‍मा लागल आन्‍हर आ बौक लोकके येसुलग आनल्‍कै। येसु ओकरा निक करल्‍कै तब उ लोक बोले आ देखेलाग्‍लै। 23यि देखके भिरके लोकसब छक परलै आ कहेलाग्‍लै, “कि यि दाउद रजाके बेटा त नै चियै?” 24महज यि सुइनके फरिसीसब कहल्‍कै, “यि लोक त भुतसबके रजा बालजिबुलके सक्‍तिसे भुतसब निकालैछै।”#मती ९:३४, १०:२५
25महज येसु उसबके मनके बिचार बुइझके कहल्‍कै, “जै राजमे भितरसे फुट हैछै, उ राज टिके नै सकैछै आ जै घरमे आ सहरमे फुट हैछै, उ नास भ्‍याजाइछै। 26यदि सैतान सैतानेके निकाल्‍तै त आ आपने राजके बिरोध करतै त, ओकर राज कनङके टिक्‍तै? 27अगर हम बालजिबुलके सक्‍तिसे भुतसब निकालैचियै त, तोहर चेलासब ककर सक्‍तिसे निकालैछौ? तैखातिर ओहेसब तोरासबके नियाय करतौ। 28महज हम परमेस्‍वरके आत्‍मासे भुतसब निकालैचियौ त परमेस्‍वरके राज तोरासबमे आइबगेलछौ से जान। 29जाबेतक पहिने बौकार लोकके नै बान्‍हतै ताबेतक कि ओकर घरके धन-सम्‍पती लुटे सक्‍तै? पहिने ओइ बौकार लोकके बान्‍हतै तब मातरे ओकर घरके धन-सम्‍पती लुटे सक्‍तै।
30 “जे लोक हमरसाथमे नै छै, उ हमर बिरोधमे छै। जे हमरसङे नै बिछैछै, उ छिरियाइछै। # मरकुस ९:४० 31तैखातिर हम तोरासबके कहैचियौ, लोकसबके सब पाप आ निन्‍दा छमा हेतौ, महज पबितर आत्‍माके बिरोधमे करल निन्‍दा कोनोभी हालतमे छमा नै हेतौ। 32आ जे मानबके बेटाके बिरोधमे नै निक बोल्‍तै त ओकर पाप छमा हेतै, महज जे पबितर आत्‍माके बिरोधमे नै निक बोल्‍तै त, ओकरा नै अइ युगमे नै आबैबला युगमे छमा हेतै।”#लुका १२:१०
गाछ ओइके फलसे चिन्‍हल जाइछै
(लुका ६:४३-४५)
33 “कोनोभी असल गाछमे असले फल फरैछै आ खराब गाछमे खराबे फल फरैछै। कथिलेत गाछ ओइके फलसे चिन्‍हल जाइछै। # मती ७:२०, लुका ६:४४ 34ए बिखधर साँपके बच्‍चासब! तुसब आपने दुस्‍ट चिही त, कनङके असल बात बोले सकबिही? कथिलेत मनके भितरमे जे बात रहैछै स्‍याहा बात मुहसे निकलैछै।#मती ३:७, २३:३३, लुका ३:७, मती १५:१८, लुका ६:४५ 35असल लोक आपन मनमे असल बातसे भरल भन्‍डारसे असले बात निकालैछै आ खराब लोक आपन मनमे खराब बातसे भरल भन्‍डारसे खराबे बात निकालैछै। 36हम तोरासबके कहैचियौ, जे लोक बिना कामके बोल्‍तै, नियायके दिनमे तकरासे एक-एक कैरके लेखा देबेपरतै। 37कथिलेत तोहर बोलल्‍हा आपने बातसबसे दोसी आ निरदोसी ठहरबिही।”
येसुसङे चेन्‍हाके माङ
(मरकुस ८:११-१२, लुका ११:२९-३२)
38तब कुछ धरमगुरुसब आ फरिसीसब येसुके कहल्‍कै, “गुरु जी, हमसब अहाँसे एकटा अचमके चेन्‍हा देखैले चाहैचियै।”#मती १६:१, मरकुस ८:११, लुका ११:१६ 39महज येसु उसबके जबाफ देल्‍कै, “अखुन्‍का दुस्‍ट आ बिस्‍बासघात करैबला पुस्‍ताके लोकसब चेन्‍हा माङैछै, महज परमेस्‍वर योना अगमबक्‍ताके जिबनमे देख्‍याल चेन्‍हा बाहेक औरो कोनो चेन्‍हा नै देखैले देतै।#मती १६:४, मरकुस ८:१२ 40कथिलेत जहिनङे योना तिन दिन आ तिन रात बरका माछके पेटमे छेलै, तहिनङे मानबोके बेटा तिन दिन आ तिन रात पिरथिबीके पेटेमे रहतै।#योना १:१७ 41नियायके दिनमे निनवेके लोकसब खरा भ्‍याके अइ पुस्‍ताके लोकसबके दोस लगाइतै, कथिलेत उसब योनाके परचारमे पस्‍चाताप करल्‍कै। महज देख, अते एक गोरे छै जे योनासे बरका छै।#योना ३:५ 42नियायके दिनमे दछिनसे सेबा देसके रानी खरा भ्‍याके यि पुस्‍ताके लोकसबके दोस लगाइतै। कथिलेत उ बहुत दुरसे सोलोमन रजाके ग्‍यानके बातसब सुनैले एलछेलै। महज देख, एकगोरा छै जे सोलोमन रजासे बरका छै।#१ रजा १०:१-१०, २ इतिहास ९:१-१२
भुत आत्‍मा फेनो घुइमके आबैछै
(लुका ११:२४-२६)
43 “जब भुत आत्‍मा कोनो लोकसे निकलैछै तब उ उजार जगह दिसन सुस्‍थाइले ताकैछै महज कतौ ठाम नै पाबैछै। 44तब उ कहैछै, ‘हम जतेसे निकैलके एलियै ओहै घरमे घुइमके जेबै।’ जब उ घुइमके आबैछै तब घर खालि आ सफा-सुधरा कैरके सजाल देखैछै। 45तब उ ज्‍याके आपनोसे खराब औरो सातटा भुत आत्‍मासबके आइनके भितर ढुइकके ओतै बास करैछै। तब ओइ लोकके दसा पहिन्‍कोसे औरो खराब हैछै। यि दुस्‍ट पुस्‍ताके हालत ओहिनङे हेतै।”
येसुके माँ आ भाइसब
(मरकुस ३:३१-३५, लुका ८:१९-२१)
46जब येसु भिरके लोकसबसङे बात कैररहल छेलै तखैन ओकर माँ आ भाइसब ओते एलै आ ओकरसे बात करैके लेल बाहरमे असियाल छेलै। 47कोइ एकगोरा आइबके येसुके कहल्‍कै, “देखु, अहाँके माँ आ भाइसब अहाँसङे बात करैले बाहरमे असियालछै।” 48महज येसु ओकरा कहल्‍कै, “हमर माँ आ हमर भाइ केसब चियै?” 49तब येसु आपन चेलासबके दिसन अंङरी देखाइत कहल्‍कै, “देख, हमर माँ आ हमर भाइ ओहेसब चियै। 50कथिलेत जे स्‍वरगमे रहैबला परमेस्‍वर पिताके इक्‍छा पालन करैछै, उहे हमर माँ आ हमर भाइ आ हमर बहिन चियै।”

Iliyochaguliwa sasa

मती 12: MTHB

Kuonyesha

Shirikisha

Nakili

None

Je, ungependa vivutio vyako vihifadhiwe kwenye vifaa vyako vyote? Jisajili au ingia