गलाती 2
2
पावल आ औरो परेरितसब
1चौद बरिसके बाद हम बरनाबाससङे तितसके ल्याके फेनो यरुसलेम गेलियै।#परेरित ११:३०, १५:२ 2हमरा ओते जाइले परतै कैहके परमेस्वरके देख्याल अनुसार हम ओते गेलियै। हम ओते रहैबखत मन्डलीके मुल अगुवा मानलसबके एकान्तमे भेटघाट करलियै आ जे सुसमाचार हम गैर-यहुदीसबके सुनाइने छेलियै से बात सहि छै कैहके ओकरासबके परस्ट बत्यादेलियै। नै त हमर करल आ कैररहल काम बेरथ हेतै। 3तैबखत हमरसाथमे रहल तितस, जे गैर-यहुदी भेलोपर, खतना करैये परतै कैहके कोइने कर लगाइल्कै। 4खतनाके यि बात उठलै कथिलेत कतहेक झुठा बिस्बासीसब बहाना कैरके अपनासबके बिस्बासीसबके जेरमे एलै। उसब खिरिस्ट येसुमे भेल अपनासबके स्वतन्तरताके चेवा करैले आ हमरासबके बेबस्थाके दास बनाइले चाहैछेलै। 5महज तोरासबमे भेल सुसमाचारके सत्यता सबदिन सुरक्छित रहे कैहके ओकरासबके अगा हमसब एकोरती नै झुकलियै।
6उसब मन्डलीके मुख अगुवासब मानल गेलोपरभी हमर समादमे कोनो सल्लाह नै देल्कै। (उसब जतहेक बरका हेबे हमरा ओइसे कोनो फरक नै परतै, कथिलेत परमेस्वर ककरो मुह देखके नियाय नै करैछै)।#बेबस्था १०:१७ 7महज उसब देखल्कै कि, जनङ परमेस्वर हमरा गैर-यहुदीसबके बिचमे सुसमाचार सुनाइके लेल जिम्मा देनेछेलै, ठिक ओहिनङे यहुदीसबके बिचमे सुसमाचार सुनाइके लेल पतरुसके जिम्मा देनेरहै। 8जनङ परमेस्वर पतरुसके यहुदीसबके बिचमे परचार करैले परेरित बनाइल्कै, तहिनङे हमरा गैर-यहुदीसबके बिचमे परचार करैले परेरित बनाइल्कै।
9याकुब, पतरुस आ युहन्ना, जेसब मन्डलीके खम्हासब मानल छेलै, उसब हमरा परमेस्वरके देल अनुगरहके पहिचान करल्कै। उसब बरनाबास आ हमरा संगतीके लेल देहना हाथ बनाइल्कै। बरनाबास आ हम गैर-यहुदीसबके बिचमे आ उसब यहुदीसबके बिचमे काम करैले सहमत भेलियै। 10उसब गरिबसबके याद कर कैहके मातरे हमरासबके समझाइल्कै आ हम ओहिनङे करैले चाहैछेलियै।
पावल एन्टिओखियामे पतरुसके बिरोध करल्कै
11महज पतरुस एन्टिओखिया सहरमे एलाकेबाद हम ओकरा खुलमखुला बिरोध करलियै। कथिलेत उ दोसी छेलै। 12जब पतरुस पहिने गैर-यहुदी बिस्बासीसबसङे बैठके खाइछेलै, जेसबके खतना नै भेल छेलै। महज पछा जब याकुबके पठेल्हा लोकसब एलै तब उ ओइसबसङे खाइले छोइरदेल्कै। कथिलेत खतनाबला लोकसबसे उ डर्यालछेलै। 13औरो यहुदीसब पतरुसे जखा कपटी बेबहार देखाइल्कै। ओकरासबके बेबहार देखके बरनाबासो बहैक गेलै। 14जब उसबके सुसमाचारके सत्यता अनुसार चलैत नै देखलियै तब हम सबके अगा पतरुसके कहलियै, “तुसब यहुदियो भ्याके गैर-यहुदीसब जखा जिबनबेतित करैचिही त, कथिले गैर-यहुदीसबके यहुदी बेबस्था पालन करैले कर लगाबैचिही?”
15हमसब जलमेसे यहुदीसब चियै आ हमसब “पापी” मानल गैर-यहुदी जखा नै चियै। 16तैयो लोक बेबस्था पालन कैरके धरमी नै ठहरैछै महज खिरिस्ट येसुमे भेल बिस्बास दुवारा धरमी ठहरैछै कहैबला बात जाइनके हमसब आपनेसे सेहो बेबस्थाके काम दुवारा नै बरु खिरिस्टके बिस्बास दुवारा धरमी ठहरलचियै कैहके येसु खिरिस्टमे बिस्बास करलियै कथिलेकी बेबस्थाके काम दुवारा कोइयो नै धरमी ठहरल जेतै। #भजनसङगरह १४३:२, रोमी ३:२०, रोमी ३:२२ 17यदि खिरिस्टमे धरमी ठहरैले कोसिस करैतखिना हमसब दोसी भेटाइबै त, कि खिरिस्ट पापके बढावा दैछै त? कदापी नै। 18यदि हम पहिनेसे इन्कार करल बेबस्था फेनसे पालन करबै त, हम आपने आपके पापी साबित करैचियै। 19कथिलेत हम त बेबस्थाके पालन करैले खोजलियै त ओह्या बेबस्था हमरा दोस लगेल्कै। तब परमेस्वरके लेल जिये सकि कैहके बेबस्थाके पालन कैरके मुक्ती पाबैके लेल कोसिस करैले छोइरदेलियै। 20हमर पहिन्का स्वभाब खिरिस्टेसङे कुरूसमे मरल छै। आबसे हम नै महज खिरिस्ट हमरमे जियैछै। जे जिबन अखन हम सरिरमे जियैचियै से परमेस्वरके बेटामे बिस्बास कैरके जियैचियै कथिलेत उ हमरा परेम करल्कै आ हमर खातिर उ बलिदान भेलै। 21हम परमेस्वरके अनुगरहके बेरथके नै ठानैचियै। यदि बेबस्था पालन कैरके हमसब परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैचियै त, खिरिस्टके मरनाइ बेरथ हेतै।
Iliyochaguliwa sasa
गलाती 2: MTHB
Kuonyesha
Shirikisha
Nakili
Je, ungependa vivutio vyako vihifadhiwe kwenye vifaa vyako vyote? Jisajili au ingia
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: