Chapa ya Youversion
Ikoni ya Utafutaji

१ कोरन्‍थी 3

3
मन्‍डलीमे मनमोटाब
1हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबसङे बोलैत खिना आत्‍मिक लोकसबसङे बाजल जखा बाजैले नै सकलियौ महज सनसारके लोकसबसङे बाजल जखा बाजल छेलियौ। खिरिस्‍टमे भरखर बिस्‍बास करल छोट बचासबसङे बाजल जखा बोललियै। 2हम तोरासबके दुध पिएलियौ महज अन नै खिएलियौ, कथिलेत तुसब पचाबैले नै सकतिही। अखुन्‍तो तोरासबके दुधे पियाबे परतौ।#हिबरु ५:१२-१३ 3कथिलेत तुसब अखुन्‍तो सनसारके लोकसब जखा जिबन बिताबैचिही। यदि तोरासबके बिचमे डाह आ झगरा छौ त, कि तुसब सनसारके औरो लोकसब जखा बेबहार नै करैचिही से? 4तोरासबमेसे कोइ “हम पावलके” आ कोइ “हम अपोल्‍लोसके” चियै कहैचिही त, कि तुसब सनसारके लोकसब जखा नै भेल्‍ही से?#१ कोरन्‍थी १:१२ 5अपोल्‍लोस के चियै? आ पावल के चियै? हमसब त परमेस्‍वरके खट्‍याल सेबकसब मातरे चियै, जकरसे तुसब बिस्‍बास करलिही। हमसब त परभुके खट्‍याल काम मातरे करैचियै। 6हम बिया छिटलियै, अपोल्‍लोस पानी पटाइल्‍कै महज बरहाबैबला काम त परमेस्‍वरे करल्‍कै।#परेरित १८:४-११, २४ 7तैखातिर बिया छिटैबला आ पानी पटाबैबला बरका नै चियै, महज बरहाबैबला परमेस्‍वरे सबसे बरका चियै। 8बिया छिटैबला आ पानी पटाबैबला बराबर चियै आ परमेस्‍वर सबकोइके आपन-आपन मेहनत अनुसारके इनाम देतै। 9कथिलेत सङे-सङे हमसब परमेस्‍वरके काम करैबला चियै आ तुसब परमेस्‍वरके खेत आ घर चिही।
10परमेस्‍वरके देल अनुगरहसे हम एकटा घर बनाइबला सिपालु मिसतिरी जखा जग खरा करलियै आ दोसरकोइ तैमे घर बनाबैछै। तैमे घर बनाइबला हरेक लोक कनङके बनाबैछै से निकसे धियान देबे। 11कथिलेत परमेस्‍वर जे जग बनाइनेछै उ जग येसु खिरिस्‍ट चियै, उ जग बाहेक कोइ नै दोसर जग बनाइले सक्‍तै। 12कोनो लोक ओइ जगमे सोना, चानी, बहुमुल्‍य पथल, काठ, खर या लार-पुवारसे घर बनाबैले सकैछै, 13महज नियायके दिनमे परमेस्‍वर सबकोइके काम परकट करतै आ उसबके करल काम केहन छै कैहके आइगसे जाँचल जेतै। 14यदि जे लोकके काम आइगसे नास नै हेतै त, उ लोक इनाम पाबतै। 15यदि जे लोकके काम आइगसे डैहके नास हेतै त, उ लोकके नोक्‍सानी हेतै। तैयो उ लोक बाँच्‍तै जनङ कोनो लोक आइगसे पार भ्‍याके बाचैछै।
16तुसब परमेस्‍वरके मन्‍दिर चिही आ परमेस्‍वरके आत्‍मा तोरासबमे बास करैछौ, कि तुसब नै जानैचिही?#१ कोरन्‍थी ६:१९, २ कोरन्‍थी ६:१६ 17यदि कोइ परमेस्‍वरके मन्‍दिरके नास करैछै त, परमेस्‍वर ओकरो नास करतै। कथिलेत परमेस्‍वरके मन्‍दिर पबितर छै आ उ मन्‍दिर तुहेसब चिही।
18कोइ आपनेके धोखा नै देबे। यदि कोइ अइ सनसारके हिसाबसे आपनेके बुधिमान ठानैछै त, उ साँचेके बुधिमान हैले आपनेके मुरुख बनाबे। 19कथिलेत परमेस्‍वरके अगा सनसारके बुइध त मुरुख बात चियै। जनङ पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल छै, “उ बुधिमानसबके ओइसबके चतुराइमे पकरैछै।” #अयुब ५:१३ 20आ फेर दोसर ठाममे एहेन लिखल छै, “बुधिमानसबके बिचार बेरथके छै कैहके परमपरभु जानैछै।”#भजनसङगरह ९४:११ 21तैखातिर लोक उपर कोइ नै घमन्‍ड करे। कथिलेत सबकुछ तोरेसबके चियौ, 22चाहे पावल, कि अपोल्‍लोस, कि पतरुस, या सनसार या जिबन या मिरतु या अखुन्‍का समय या पछिल्‍का समय, सब तोरेसबके चियौ। 23तुसब खिरिस्‍टके चिही आ खिरिस्‍ट परमेस्‍वरके चियै।

Kuonyesha

Shirikisha

Nakili

None

Je, ungependa vivutio vyako vihifadhiwe kwenye vifaa vyako vyote? Jisajili au ingia