Chapa ya Youversion
Ikoni ya Utafutaji

लूका 5:12-13

लूका 5:12-13 MAI

एक बेर जखन यीशु कोनो नगर मे छलाह, तँ ओतऽ एक आदमी छल जकरा सौंसे देह मे कुष्‍ठ-रोगक घाव भऽ गेल छलैक। यीशु केँ देखि कऽ ई आदमी हुनका सामने मे मुँह भरे खसि कऽ विनती करऽ लगलनि जे, “यौ प्रभु! अहाँ जँ चाही तँ हमरा शुद्ध कऽ सकैत छी।” यीशु अपन हाथ बढ़ा ओकरा छुबि कऽ कहलथिन, “हम अवश्‍य चाहैत छिअह! तोँ शुद्ध भऽ जाह!” ओकर कुष्‍ठ-रोग तुरत्ते छुटि गेलैक।