1
लूका 13:24
jivən səndesh
mai
ओ उत्तर देलथिन, “द्वारिक चौराइ कम अछि तेँ पूरा शक्ति सँ प्रवेश करबाक कोशिश करू। कारण, हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, एहन बहुतो लोक होयत जे प्रवेश करऽ चाहत मुदा कऽ नहि सकत।
Linganisha
Chunguza लूका 13:24
2
लूका 13:11-12
ओहिठाम एक स्त्री छलि जकरा अठारह वर्ष सँ दुष्टात्मा लगबाक कारणेँ डाँड़ टुटल छलैक। ओ एकदम झुकल रहैत छलि और कनेको सोझ नहि भऽ सकैत छलि। यीशु ओकरा देखि बजा कऽ कहलथिन, “बहिन, अहाँ अपना कष्ट सँ मुक्त भऽ गेलहुँ।”
Chunguza लूका 13:11-12
3
लूका 13:13
तखन ओ ओकरा पर हाथ रखलनि, और ओ तुरत्ते सोझ भऽ गेलि आ परमेश्वरक स्तुति करऽ लागलि।
Chunguza लूका 13:13
4
लूका 13:30
हँ, कतेक लोक जे एखन पाछाँ अछि से तखन आगाँ रहत, आ कतेक लोक जे एखन आगाँ अछि से तखन पाछाँ रहत।”
Chunguza लूका 13:30
5
लूका 13:25
जखन घरक मालिक उठि कऽ केबाड़ बन्द कऽ लेताह तँ अहाँ सभ बाहर ठाढ़ भऽ कऽ केबाड़ केँ ढकढका कऽ कहऽ लागब जे, ‘प्रभु, हमरा सभक लेल खोलि दिअ।’ ओ उत्तर देताह, ‘हम तोरा सभ केँ नहि चिन्हैत छिअह आ नहि जनैत छिअह जे कतऽ सँ आयल छह।’
Chunguza लूका 13:25
6
लूका 13:5
हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, नहि! मुदा अहाँ सभ जँ अपना पापक लेल पश्चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन नहि करब, तँ अहूँ सभ एहिना नाश होयब।”
Chunguza लूका 13:5
7
लूका 13:27
मुदा ओ कहताह, ‘हम तोरा सभ केँ नहि चिन्हैत छिअह, आ नहि जनैत छिअह जे कतऽ सँ आयल छह। है कुकर्मी सभ, तोँ सभ गोटे हमरा लग सँ भाग!’
Chunguza लूका 13:27
8
लूका 13:18-19
तखन यीशु कहलनि, “परमेश्वरक राज्य केहन अछि? ओकर तुलना हम कोन चीज सँ करू? ओ सरिसोक दाना जकाँ अछि जकरा किसान अपना बाड़ी मे बाउग कयलक। ओ बढ़ि कऽ नमहर गाछ बनि गेल, और ओकर ठाढ़ि मे आकाशक चिड़ै सभ आबि कऽ अपन खोंता बना लेलक।”
Chunguza लूका 13:18-19
Nyumbani
Biblia
Mipango
Video