रोमी 13
13
सासकसबके अधिनमे रह
1सबलोक सासन करैबला सासकसबके अधिनमे रहैले परतौ, कथिलेत परमेस्वर ओइसबके सासन करैबला अधिकार देनेछै। ओइसबके परमेस्वरे छान्नेछै। 2तैल्याके जे सासकसबके बिरोध करतै उ परमेस्वरके बिरोध करतै। जे कोइ बिरोध करतै उसब दन्ड पाबतै। 3कथिलेत सासकसबसे असल काम करैबलासब नै महज खराब काम करैबलासब डर मानैछै। ओहैसे तुसब सासकसबसङे निडर भ्याके रहैले चाहैचिही त असल काम कर तब उसब तोरासबके चाबसी देतौ। 4कथिलेकी सासकसब तोरासबके भलाइ करैके लेल परमेस्वरके सेबकसब चियै। यदि तुसब खराब काम करैचिही त सासकसबके डर मान, कथिलेकी खराब काम करैबलाके दन्ड दैके अधिकार पाबने छै। परमेस्वर खराब काम करैबलासबके दन्ड दैले सासकसबके राखनेछै। 5तैल्याके दन्डसे बचैके लेल मातरे नै महज आपन बिबेकसे एहेन करनाइ ठिक चियै कैहके सासकसबके अधिनमे रहैके चाही।
6ओहैसे तुसब कर तिरैचिही, कथिलेत सासकसब आपन जिम्मेबारी पुरा करैले परमेस्वरके सेबाके काममे लागल रहैछै।#मती २२:२१, मरकुस १२:१७, लुका २०:२५ 7तोरासबके तिरैबला चिज सबके तिरदहै। कर तिरैबलाके कर, महसुल तिरैबलाके महसुल, आदर करैबलाके आदर, इज्जत करैबलाके इज्जत कर।
एक-दोसरके परेम कर
8एक-दोसरके परेम करै बाहेक औरो कोनो चिजमे ककरो रिनी नै हो। कथिलेत जे आपन परोसियाके परेम करैछै उ बेबस्था पुरा करैछै। 9बेबस्थामे “बेबिचार नै कर, हतिया नै कर, चोरी नै कर, लोभ नै कर” आ औरो आग्यासब छै। यि सब आग्यासबके सार एह्या चियै कि “तु आपन परोसियाके आपने जखा परेम कर।” #परस्थान २०:१३-१५,१७, बेबस्था ५:१७-१९, लेबी १९:१८ 10परेम करैबला आपन परोसियाके खराबी नै करैछै। तैखातिर परेम करनाइके मतलब बेबस्था पुरा करनाइ चियै।
11अपनासब कतहेक महत्व दैबला समयमे एलचियै से बात बुइझके यि सब बातमे धियान दैलेपरतै। आब अपनासबके निनसे जागैके समय एलछै कथिलेत बिस्बास करल पहिन्का दिनसे बेसी अखुन मुक्ती पाबैबला समय नजदिक एलछै। 12रात बितगेलै आ दिन नजदिक आइबगेल छै। तैल्याके अपनासब अन्हारमे करैबला खराब काम छोइरके इजोतमे करैबला असल काम करैले तयार रह। 13अपनासब दिनके इजोतमे रहल जखा असल काम कर। रातके अन्हारमे करल खराब काम जखा मोजमजा, मातैबला काम, बेबिचार, भरस्टाचार, लराइ-झगरा आ डाह करैले छोर। 14महज येसु खिरिस्टके स्वभाबके धारन कर आ पापी स्वभाबके इक्छा पुरा करैबला बातमे धियान नै दहै।
Sélection en cours:
रोमी 13: MTHB
Surbrillance
Copier
Comparer
Partager
Tu souhaites voir tes moments forts enregistrés sur tous tes appareils? Inscris-toi ou connecte-toi
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.