Logo YouVersion
Ikona vyhledávání

लुका किताबके परिचय

किताबके परिचय
लुका एक बैध आ गिरिक लोक छेलै (कलस्‍सी ४:१४)। ओइखातिर उ आपन सुसमाचार यहुदीसबके लेल मातरे नै महज सनसारके सब जात-जातीसब असलसे बुझे सकै तै हिसाबसे लिखने रहै। लुका यि सुसमाचारके किताब मातरे नै महज “परेरितसबके काम” कहैबला लया करारके किताबोसब उहे लिखल्‍कै (लुका १:१-४, परेरित १:१-२)। लुका येसुके बारेमे घटल घटनासब “थियोफिलस” नामके बिसेस लोकके लिखने रहै।
लुका बैध मातरे नै उ एकटा सच्‍चा इतिहासकारो छेलै। यि सुसमाचार आ “परेरितसबके काम” किताबोमे लुका एकदम होसियारिसे बिस्‍तारमे बहुत सत इतिहासिक बातसब लिखने छै। लुकाके लिखल किताबसबमे बास्‍तबिक्‍ता आ औरो बहुत किताबसब, बैग्‍यानिक अनुसन्‍धानसे परमानित भेल छै। येसु खिरिस्‍टके सुसमाचार कोनो एक गोरे लोकके बनाबटी कथा नै चियै। यि त एकटा इतिहासिक आ सत बात चियै।
लुका आपन सुसमाचार कोन सालमे लिखने छेलै से बात निस्‍चित नै छै। बाइबलके बहुत बिदवानसब लुकाके सुसमाचार इस्‍वी सम्‍बत ६५-७० मे लिखल छेलै कैहके सम्‍झैछै। औरोसब ओइसे पाछु लिखल छेलै से ठानैछै।
लुकाके लिखल यि सुसमाचारसे येसुके अनङके देखाइनेछै: येसु इजराएलीसबके बिचमे एतै कैहके बचनबद करने मुक्‍तीदाता आ सब लोकसबके बचाइबला छै। उ दुखी आ गरिबसब लोकसबके सुसमाचार परचार करे कैहके परभुके आत्‍मासे सनसारमे पठाइने छै। यि सुसमाचार सब परकारके खाचोमे परलाहा लोकसबके फिकिर कैरके लिखल छै। अइमे सुसमाचारके भाब परापुरुबकालसे देखाइनेछै, खास कैरके अकर पहिल्‍का अध्‍यायसब येसु ऐलबात आ फेनो पछिल्‍का अध्‍यायमे उ स्‍वरगमे गेलै से बातसब लिखल छै (लुका २:१-७, २२:४४-४७)।
दोसर आ छठम भागसब अहि सुसमाचारमे मातरे छै, जनङ कि: स्‍वरगदुतसबके गाबल स्‍तुतीगित, येसु जलम लेल्‍कै तब चरबाहासब ओकर दरसनमे एलै, येसु आपन बल्‍यकालके समयमे मन्‍दिर गेलै, असल सामरी आ हरेल्‍हा बेटाके खिसा अइ किताबभैर यि बिसयसबमे बिसेस कैरके जोर देने छै: परथना, पबितर आत्‍मा, येसुके सेबामे जनिजाइतके सहयोग आ परमेस्‍वरसे लोकसबके पापके छमादान (लुका २:८-२०, २:४१-५०, १०:२५-३७, १५:११-३१)।
बिसय-सुची
परिचय १:१-४
बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍ना आ येसुके जलम आ बाल्‍यकाल १:५-२:५२
बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍नाके सेबाके काम ३:१-२०
येसुके बप्‍तिस्‍मा आ परिक्‍छा ३:२१-४:१३
गालिलमे येसुके सेबाके काम ४:१४-९:५०
गालिलसे यरुसलेमतक ९:५१-१९:२७
यरुसलेममे अन्‍तिम हप्‍ता १९:२८-२३:५६
येसु मरलसे जिबित भ्‍याके स्‍वरग गेलै २४:१-५३

Zvýraznění

Sdílet

Kopírovat

None

Chceš mít své zvýrazněné verše uložené na všech zařízeních? Zaregistruj se nebo se přihlas