Ves al contingut

२ पतरुस 2

2
झुठा गुरुसब
1जहिनङे इजराएलीसबके बिचमे झुठा अगमबक्‍तासब छेलै, तहिनङे तोरोसबके बिचमे झुठा गुरुसब देखा परतौ। उसब गुपचुपेमे नास हैबला झुठा बातसब सिखाइतौ आ मुक्‍ती दैबला परभुके सेहो उसब इन्‍कार कैरके आपन उपर जल्‍दिए नास लाबतै। 2बहुतो गोरे ओकरसबके निरलज चालचलन अपनाइतै आ ओइसबके कारन सत सिक्‍छाके बदनाम करतै। 3उसब लोभमे पैरके झुठा बातसब बनाइतौ आ तोरासबसे फैदा उठेतौ। ओइसबके दन्‍डके आदेस पहिने भ्‍यागेलछै आ ओइसबके नास पक्‍के हेतै।
4परमेस्‍वर त पाप करैबला स्‍वरगदुतोसबके बाकी नै राखल्‍कै, महज उसबके नरकके खाइधमे फेकदेल्‍कै। ओइसबके नियायके दिनतक पतालके अन्‍धकारमे बाइन्‍हके राखनेछै। 5उ पहिन्‍का सनसारके त बाकी नै राखल्‍कै, उ अधरमी लोकसबके जल परलयसे नास करल्‍कै, महज धारमिकताके परचार करैबला नोआ आ ओकरसङे ओकरे परिबारके औरो सात लोकके बचेल्‍कै।#उतपती ६:१-७:२४ 6परमेस्‍वर सदोम आ गमोरा सहरके भस्‍म कैरके ओकर नामो निसान मेट्‍यादेल्‍कै। परमेस्‍वरके नै मानैबलासबके दुरदसा कनङ हैछै कैहके यि एकटा उदाहरन भेलै।#उतपती १९:२४ 7महज परमेस्‍वर लोतके सदोम सहरसे बचेल्‍कै, कथिलेकी उ धरमी छेलै। ओतेका खराब चालचलन भेल लोकसबके कारन उ दुख पाबने छेलै।#उतपती १९:१-१६ 8लोत ओइ लोकसबके बिचमे रहैतकाल ओकरासबके करल दिन परतिदिनके कुकरम स्‍वभाब देखके आ सुइनके आपन धारमिक आत्‍मामे बेचैन हैछेलै। 9ओहिनङ परभु धरमी लोकसबके संकटसे बचाबैले आ अधरमी लोकसबके दन्‍ड दैले नियायके दिन तलिक राखैले जानैछै। 10खास कैरके, एहेन लोकसब जे असुध करैबला कामबासनामे डुबलरहैछै आ परमेस्‍वरके अधिकारके अपहेलना करैछै। ओहेन झुठा गुरुसब ढिठ आ घमन्‍डी हैछै आ स्‍वरगिय परानिसबके निन्‍दा करैले नै डराइछै।
11महज स्‍वरगदुतसब झुठा गुरुसबसे सक्‍ती आ सामर्‌थसे महान भेलाके बादो, परभुके सामने स्‍वरगमे रहैबला औरो परानिसबके निन्‍दा नै करैछै। 12महज यि झुठा गुरुसब त नै बुझलहा बातसबके निन्‍दा करैछै। उसब समझ नै भेल जानबर जखा चियै आ सोभाबिक इक्‍छासबके बसमे रहैछै। उसब पकैरके मारैके लेल जलमल जखा छै आ उसब जानबरसब जखा नस्‍ट हेतै। 13उसब औरोसबके दुख देलाके कारन आपनो दुख भोगे परतै। उसब दिने-दुपहरेमे मोजमजा करनाइ आनन्‍द बात ठानैछै। उसब त कलङकित आ दुसित लोकसब चियै। तोरासबसङे भोजन करैतकाल उसब छल कैरके आनन्‍द लैछौ। 14ओइसबके आँख बेबिचारसे भरल रहैछै आ कतबो पाप करैछै तैयो नै मन भरैछै। उसब चनचल मन भेल्‍हासबके फुस्‍यालैछै। ओकरसबके मन लोभसे भरल रहैछै। ओहैसे परमेस्‍वरके सराप ओइसबके उपरमे परलछै। 15उसब सिधा रस्‍ता छोइरके बओरके बेटा बालामके चलैबला बाटमे चलैछै, जे खराब काम कैरके रुपैया कमाबैके दाउमे छेलै।#गन्‍ती २२:४-३५ 16उ आपने अपराधके लेल हप्‍की पाबने छेलै। बोलै नै सकैबला गदहा लोक जखा बोइलके ओकरा हपारल्‍कै आ अगमबक्‍ताके पागलपनके रोकल्‍कै।
17एहेन लोकसब त पानी बिनाके भवसब जखा चियै आ हबा बिहाइरसे उरैबला गरदा जखा चियै। एहेन लोकसबके लेल परमेस्‍वर पतालके अन्‍धकारके जतनके राखनेछै। 18उसब घमन्‍डी आ मुरुख बात करैछै आ देहके लालसा देखाके भरखर खराब रस्‍तासे बाहर एल्‍हा लया बिस्‍बासीसबके फसाबैछै। 19ओइसबके स्‍वतन्‍तर कराबैके परतिग्‍या करैछै महज उसब आपने भरस्‍टताके दास चियै, कथिलेकी लोक जे चिजके बसमे पैर जाइछै, उसब ओहै चिजके दास बैन जाइछै। 20महज उसब अपनासबके परभु आ मुक्‍तीदाता येसु खिरिस्‍टके चिन्‍हके सनसारके घिनलागैबला बातसबसे छुटकरा पाबलाके बाद फेनसे पापमे परैछै त ओकरासबके दसा पहिनेसे औरो बेसी खराब हैछै। 21कथिलेकी ओकरासबके देल पबितर आग्‍या जाइनके पछा हटैसे बरु उसब धारमिक बाट नै जानतियै त निक हेतियै। 22एकटा एहेन खिसा-पिहानी ओइसबमे मिलैछै, “कुता आपन बोकरल चाटैके लेल घुइमके आबैछै” आ “असलान करल सुगर फेनसे घुइमके थालेमे ओङहराइले लागैछै।”#हितोपदेस २६:११