1
मत्ती 14:30-31
jivən səndesh
mai
मुदा जखन देखलनि जे हवा कतेक जोर सँ बहि रहल अछि तँ डेरा गेलाह आ डुबऽ लगलाह। ओ चिचियाइत बजलाह जे, “यौ प्रभु, हमरा बचाउ!” यीशु तुरत हाथ बढ़ा कऽ हुनका पकड़ि लेलथिन आ कहलथिन, “अहाँक विश्वास एतेक कम किएक भऽ गेल! अहाँ सन्देह किएक कयलहुँ?”
Compara
Explorar मत्ती 14:30-31
2
मत्ती 14:30
मुदा जखन देखलनि जे हवा कतेक जोर सँ बहि रहल अछि तँ डेरा गेलाह आ डुबऽ लगलाह। ओ चिचियाइत बजलाह जे, “यौ प्रभु, हमरा बचाउ!”
Explorar मत्ती 14:30
3
मत्ती 14:27
एहि पर यीशु हुनका सभ केँ तुरत कहलथिन, “साहस राखू! हम छी, नहि डेराउ।”
Explorar मत्ती 14:27
4
मत्ती 14:28-29
तखन पत्रुस हुनका कहलथिन, “यौ प्रभु, जँ अहीं छी तँ हमरा पानि पर चलैत अपना लग अयबाक आज्ञा दिअ।” यीशु कहलथिन, “आउ।” तखन पत्रुस नाव सँ उतरि कऽ पानि पर चलैत यीशुक दिस बढ़लाह।
Explorar मत्ती 14:28-29
5
मत्ती 14:33
जे सभ नाव पर छलाह, से सभ हुनका पयर पर खसैत कहलथिन, “निश्चय अहाँ परमेश्वरक पुत्र छी।”
Explorar मत्ती 14:33
6
मत्ती 14:16-17
मुदा यीशु शिष्य सभ केँ उत्तर देलथिन, “एकरा सभ केँ एतऽ सँ पठयबाक कोनो आवश्यकता नहि अछि। अहीं सभ एकरा सभ केँ भोजन करबिऔक।” शिष्य सभ कहलथिन, “हमरा सभ लग, बस, पाँचेटा रोटी आ दुइएटा माछ अछि।”
Explorar मत्ती 14:16-17
7
मत्ती 14:18-19
यीशु कहलथिन, “ओ सभ हमरा लग आनू।” तकरबाद ओ लोक सभ केँ घास पर बैसि जयबाक आज्ञा देलथिन। ओहि पाँचटा रोटी आ दूटा माछ केँ ओ हाथ मे लेलनि और स्वर्ग दिस तकैत परमेश्वर केँ धन्यवाद देलनि। तखन ओ रोटी केँ तोड़ि-तोड़ि कऽ शिष्य सभ केँ देलथिन आ शिष्य सभ लोक सभ मे परसि देलनि।
Explorar मत्ती 14:18-19
8
मत्ती 14:20
सभ केओ भरि इच्छा भोजन कयलक और शिष्य सभ जखन उबरल टुकड़ा सभ बिछलनि तँ ओ बारह पथिया भेल।
Explorar मत्ती 14:20