परेरित किताबके परिचय
किताबके परिचय
यि परेरितके किताब लुकासे लिखलगेल छै। अइमे उ लिखल सुसमाचारके अनबरत रुपसे अगारी बरहाइछै। अकर मुल काम येसुके पहिन्का चेलासबके कनङके पबितर आत्मा अगुवाइ करल्कै आ उसब “यरुसलेममे आ सब यहुदिया आ सामरियाके इलाकासबमे आ सनसारके सब ठामतक” येसुके सुसमाचार फैलेल्कै कैहके बतेनाइ चियै। यि खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके अबस्थाके परचार यहुदीसबसे फैलके पुरे सनसारके लेल आस्थाके केन्दर बनल एकटा घटना छै। अइमे लेखक परहैबलासबके बताबैले चाहैछै कि खिरिस्टियनसब रोमी राजके लेल बिगार करैले नै बरु खिरिस्टियन बिस्बास यहुदी धरमके बचेनाइ ओकर निरन्तरता दैके चियै।
परेरितसबके कामके तिन उदेससे बाटे सकैचियै। बहुत बरका इलाकासबमे येसुके सुसमाचार परचार भेल आ मन्डली अस्थापना भेलै।
१) येसु स्वरगमे गेलाकेबाद यरुसलेममे सुरु भेल खिरिस्टियन हलचल।
२) प्यालेस्टाइनके औरो इलाकासबमे परचार फैलल।
३) भुमध्यसागरके अखा-पखाके देससबमे आ रोम तक परचार भेलै।
परेरितमे सबसे मुख आ असल चिज, पबितर आत्माके कामसब, जे सक्ती सहित पेन्तिकोसके दिन यरुसलेममे बिस्बासीसब उपर एलै आ अनबरत रुपमे अगुवाइ करल्कै आ मन्डलीसबके बौकार करल्कै आ अगुवासब अइ किसिमके घटनासबके यि किताबमे उल्लेख करनेछै। सुरुके खिरिस्टियन समाचारके घटनासब औरो धारमिक उपदेससबमे देलगेल छै। अइ किताबमे लिखलगेल घटनासबसे बिस्बासीसबके जिबन आ ओकरसबके सङगतिसबके उ समाचारके सक्ती केहन छेलै कैहके देखाबैछै।
बिसय-सुची
गबाहीके लेल तैयारी १:१-२६
क) येसुके अन्तिम आग्या आ परतिग्या १:१-१४
ख) यहुदाके बदलामे चुनल लोक १:१५-२६
यरुसलेममे साक्छी २:१-८:३
यहुदिया आ सामरियामे साक्छी ८:४-१२:२५
पावलके परचार १३:१-२८:३१
क) पहिल्का परचारके यातरा १३:१-१४:२८
ख) यरुसलेममे भेल सभा १५:१-३५
ग) दोसर बेर परचारके यातरा १५:३६-१८:२२
घ) तेसर बेर परचारके यातरा १८:२३-२१:१६
ङ) यरुसलेम, कैसरिया आ रोममे पाबल कैद भेलै २१:१७-२८:३१
Markert nå:
परेरित किताबके परिचय: MTHB
Marker
Kopier
Sammenlign
Del
Vil du ha høydepunktene lagret på alle enhetene dine? Registrer deg eller logg på
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.