1
मत्ती 18:20
jivən səndesh
mai
किएक तँ जतऽ दू वा तीन व्यक्ति हमरा नाम सँ एक ठाम जमा होइत अछि, ततऽ हम ओकरा सभक बीच उपस्थित छी।”
Sammenlign
Utforsk मत्ती 18:20
2
मत्ती 18:19
“हम अहाँ सभ केँ एकटा इहो बात कहैत छी जे, एहि पृथ्वी पर जँ अहाँ सभ मे सँ केओ दू गोटे कोनो बातक लेल एक विचारक भऽ कऽ विनती करब, तँ हमर पिता जे स्वर्ग मे छथि, तिनका द्वारा ओ बात अहाँ सभक लेल पूरा कयल जायत।
Utforsk मत्ती 18:19
3
मत्ती 18:2-3
यीशु एक छोट बच्चा केँ अपना लग बजा कऽ हुनका सभक बीच ठाढ़ करैत कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्य कहैत छी जे, जाबत तक अहाँ सभ बदलि कऽ बच्चा सभ जकाँ नहि बनि जायब ताबत तक स्वर्गक राज्य मे कहियो नहि प्रवेश करब।
Utforsk मत्ती 18:2-3
4
मत्ती 18:4
तेँ, जे केओ नम्र बनि अपना केँ एहि बच्चा जकाँ छोट बुझैत अछि, से स्वर्गक राज्य मे सभ सँ पैघ अछि।
Utforsk मत्ती 18:4
5
मत्ती 18:5
जे केओ हमरा नाम सँ एहन छोट बच्चा केँ स्वीकार करैत अछि से हमरा स्वीकार करैत अछि।
Utforsk मत्ती 18:5
6
मत्ती 18:18
हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, अहाँ सभ जे किछु पृथ्वी पर बान्हब, से स्वर्ग मे बान्हल गेल रहत, आ जे किछु अहाँ सभ पृथ्वी पर खोलब से स्वर्ग मे खोलल गेल रहत।
Utforsk मत्ती 18:18
7
मत्ती 18:35
तेँ जँ अहूँ सभ अपना भाय केँ हृदय सँ क्षमा नहि करबैक तँ हमर स्वर्गीय पिता अहूँ सभक संग ओहने व्यवहार करताह।”
Utforsk मत्ती 18:35
8
मत्ती 18:6
मुदा ई बच्चा सभ जे हमरा पर विश्वास करैत अछि, ताहि मे सँ जँ एकोटा केँ केओ पाप मे फँसाओत, तँ ओहि फँसौनिहारक गरदनि मे जाँतक पाट बान्हि कऽ अथाह समुद्र मे डुबा देल जाइक, से ओकरा लेल नीक होइत।
Utforsk मत्ती 18:6
9
मत्ती 18:12
“अहाँ सभ की सोचैत छी? जँ ककरो लग एक सय भेँड़ा छैक आ ओहि मे सँ एकटा भेँड़ा भटकि जाइक, तँ की ओ अपन निनान्नबे भेँड़ा केँ पहाड़ पर छोड़ि कऽ ओहि भटकल भेँड़ा केँ खोजबाक लेल नहि जायत?
Utforsk मत्ती 18:12