रोमी किताबके परिचय

किताबके परिचय
पावल यि चिठी रोम सहरमे भेल्‍हा मन्‍डलीसबके लिखने रहै। ओकर पहिल्‍का नाम साउल छेलै। उ एक परेरित छेलै महज येसु खिरिस्‍टके बारह चेलासबमेसे नै छेलै। येसु खिरिस्‍ट सनसारमे रहैते बखत पावलके ओकरासङे एको चोटी भेट नै भेल छेलै। उ कट्‍टर यहुदी गुरु छेलै (फिलिप्‍पी ३:४-६)। जब येसु खिरिस्‍टके सुसमाचार फैलैत गेलै, तब पावल एकदमे नै निकसे बिस्‍बासीसबके सताबैले लाग्‍लै (परेरित २२:३-४, २६:९-११)। एक दिन ओहै सताबैबला कामके लेल दमस्‍कस सहर दिसन जाइतरहै, तहै बखत उ अचम किसिमसे परभु येसु खिरिस्‍टके दरसन पाबल्‍कै (परेरित ९:३-९, २२:६-११, २६:१२-१८)। येसु खिरिस्‍ट ओहै बखतसे ओकरा परेरित नियुक्‍त करल्‍कै। ओहै समयसे गैर-यहुदी लोकसबके बिचमे सुसमाचार परचार करैके लेल येसु खिरिस्‍ट पावलके पठेल्‍कै। पावलके जिबन आ कामके बारेमे परेरितके किताब अध्‍याय नौ आ तेरसे अठाइसतक पाबैछै।
पावल तिन बेर परचारके यातरा करल्‍कै आ एफिसी, फिलिप्‍पी, थेसलोनिके, कोरिन्‍थ, टरकी आ गिरिसमे भेल औरो सहरसबमे मन्‍डली खरा करल्‍कै। ओहै यातरामे जाइबखत आपनसे खरा करल यि लया मन्‍डलीसबके पावल चिठी लिखल्‍कै। पावल औरो मन्‍डलीसबके सेहो चिठी लिखल्‍कै। कलस्‍सी आ रोममे भेल मन्‍डलीसब, जै मन्‍डलीसबके पावल खरा नै करने छेलै। पावल त तिमोथी आ फिलेमोनके बेक्‍तिगत चिठीसब सेहो लिखने छेलै। खिरिस्‍टके सिक्‍छा बुझैले आ इसाइसब केहन जिबन जियैले परतै कैहके सिखैके लेल यि चिठीसब अपनासबके सेहो काम लाग्‍तै। चारटा सुसमाचारके किताब लिखाइसे पहिने यि चिठीसब लिखलगेल छेलै, ओहैसे यि चिठीसब लया करारके पहिने लिखल किताबसब चियै।
रोमी लोकसबके लेल पावलके लिखल यि चिठी गिरिसमे भेल कोरिन्‍थ कहैबला सहरसे इस्‍बी सम्‍बत ५५ दिसनमे पठाइने छेलै। ओइ बखत भुमध्‍यसागरके कात-करौतके देसमे रोमी सामराजके अधिकार छेलै, जकर राजधानी रोम छेलै। अखुनके रोम सहर दछिन युरोपके इटाली देसके राजधानी चियै। रोम सहरमे भेल मन्‍डलीसबके के खरा करल्‍कै कैहके ककरो थाह नै छै। पावल यि चिठी लिखैत खिना रोममे बहुतो बिस्‍बासीसब छेलै। ओइसबमेसे कतहेक पहिने यहुदी छेलै आ औरो कतहेक गैर-यहुदी सेहो छेलै।
सुसमाचार परचारके कोनो दोसर यातरामे पावल रोममे आ ओतेसे इस्‍पेन जाइले बिचार करैतरहै (रोमी १५:२३-२४)। महज पावल यि योजना पुरा करैले नै सक्‍लै, कथिलेत इजराएलके राजधानीमे उ पकराउ परलै। तकरबाद कैदी बैनके रोममे पुग्‍लै। रोममे पावल दु बरिसतक जहलमे रहलै। तकरबाद पावलके कथी भेलै कैहके ककरो थाह नै छै।
रोमी लोकसबके लेल पावलके लिखल यि चिठीके मुख बात यि चियै कि, सब लोकसब पापी छै आ लोकसब काम आ आपन मेहनतसे नै, महज खिरिस्‍टमे बिस्‍बास कैरके मातरे उसब परमेस्‍वरके नजरमे धरमी भ्‍याके उ‍द्वार आ अनन्‍त जिबन पाबैले सक्‍तै। पावल यि चिठी रोमी लोकसबके मातरे नै, महज अपनोसबके लेल लिखने छै।
बिसय-सुची
परिचय आ उदेस्‍य १:१-१७
लोकसबके मुक्‍तीके आबसेक्‍ता छै १:१८-३:२०
मुक्‍तीके लेल परमेस्‍वरके उपाय ३:२१-४:२५
खिरिस्‍टमे लया जिबन ५:१-८:३९
परमेस्‍वरके योजनामे यहुदीसब ९:१-११:३६
इसाइ चालचलन १२:१-१५:१३
अन्‍तिम भाग आ गोरलगी १५:१४-१६:२७

Paryškinti

Kopijuoti

Palyginti

Dalintis

None

Norite, kad paryškinimai būtų įrašyti visuose jūsų įrenginiuose? Prisijunkite arba registruokitės