YouVersion logo
Ikona pretraživanja

मती किताबके परिचय

किताबके परिचय
यि मतीके लिखल सुसमाचार चियै। यि पहिनेसे परतिग्‍या करल मुक्‍तीदाता येसुवे चियै से बातके जाहेर करैछै। पुरन्‍का समयमे परमेस्‍वर आपन परजा यहुदीसबके एकटा मुक्‍तीदाता पठाइबौ कैहके बाचा करने छेलै। उ बाचा परमेस्‍वर येसुके सनसारमे पठ्‍याके पुरा करल्‍कै। यि सुसमाचार यहुदी जातिके लेल मातरे नै भ्‍याके पुरे सनसारके लेल सेहो छै।
मतीके लिखल सुसमाचार असलसे मिल्‍याके राखल गेलछै। अइमे येसुके जलमसे ल्‍याके मरन आ येसु फेनो जिबित भ्‍याके उठल छै तैके बरनन करलगेलछै। अइमे येसुके जलम, बप्‍तिस्‍मा, सताबट आ गालिलमे करल ओकर परचार, सिक्‍छा आ चङगाइ करैबला कामसबके बारेमे कहलगेल छै। येसु यरुसलेम गेल, ओते उ अन्‍तिम हप्‍ता बित्‍याल, कुरूसमे टाङलगेल आ फेनो मैरके जिबित भ्‍याके उठल बातसब कहलगेल छै।
यि सुसमाचार येसुके नियम आ स्‍वरगिय राजके भेद खोलैके अधिकार मिलल महान गुरु कैहके पेस करनेछै। ओकर बहौत सिक्‍छा एहेन बिसयसबमे छै।
१) पहारके उपदेस- स्‍वरग राजके लोकसबके आबसक्‍ताके गुनसब, बिसेस अधिकारके बिसयमे अनङ कहैछै: अध्‍याय ५-७
२) बारह चेलासबके परचारके आग्‍या: अध्‍याय १०
३) स्‍वरग राजके कथासब: अध्‍याय १३
४) चेलापनके अरथ: अध्‍याय १८
५) यि युगके अन्‍त आ खिरिस्‍टके दोसर आगमनके बिसयमे सिक्‍छा: अध्‍याय २४-२५
बिसय-सुची
येसु खिरिस्‍टके बंसाबली आ जलम १:१-२:२३
बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍नाके सेबा-काम ३:१-१२
येसुके बप्‍तिस्‍मा आ परिक्‍छा ३:१३-४:११
येसुके गालिलमे सेबा-काम ४:१२-१८:३५
गालिलसे यरुसलेमतक १९:१-२०:३४
यरुसलेममे येसुके अन्‍तिम हप्‍ता २१:१-२७:६६
येसु मैरके जि उठलै आ चेलासबके बिचमे परगट भेलै २८:१-२०

Istaknuto

Kopiraj

Usporedi

Podijeli

None

Želiš li svoje istaknute stihove spremiti na sve svoje uređaje? Prijavi se ili registriraj