Logo YouVersion
Ikona vyhledávání

मसीह-दूत 3

3
लोथ आदमी दौड़ऽ लागल
1एक दिन पत्रुस आ यूहन्‍ना दुपहरियाक तीन बजे प्रार्थनाक समय मे मन्‍दिर जा रहल छलाह। 2ओही समय मे किछु लोक जन्‍म सँ लोथ एक आदमी केँ अनलक और मन्‍दिरक “सुन्‍दर” नामक द्वारि लग, जतऽ ओकरा सभ दिन बैसा देल जाइत छल ततऽ राखि देलकैक, जाहि सँ ओ मन्‍दिर मे जाय-आबऽ वला लोक सभ सँ भीख माँगि सकय। 3ओ जखन पत्रुस आ यूहन्‍ना केँ भीतर जाइत देखलकनि तँ हुनका सभ सँ भीख मँगलक। 4पत्रुस आ यूहन्‍ना एकटक लगा कऽ ओकरा देखलनि। पत्रुस कहलथिन, “हमरा सभ दिस ताकह!” 5ओ लोथ आदमी हिनका सभ सँ किछु पयबाक आशा मे हिनका दिस तकलकनि। 6पत्रुस कहलथिन, “हमरा संग मे सोना वा चानी नहि अछि, मुदा जे किछु अछि से तोरा दैत छिअह। नासरत-निवासी यीशु मसीहक नाम सँ चलह-फिरह!” 7पत्रुस ओकर दहिना हाथ पकड़ि कऽ उठौलथिन, आ तखने ओकर पयर और घुट्ठी मे बल आबि गेलैक। 8ओ फुर्ती सँ ठाढ़ भऽ गेल आ चलऽ-फिरऽ लागल। ओ दौड़ैत आ कुदि-कुदि कऽ चलैत और परमेश्‍वरक स्‍तुति करैत हुनका सभक संग मन्‍दिर मे प्रवेश कयलक। 9लोक सभ ओकरा चलैत-फिरैत आ परमेश्‍वरक स्‍तुति करैत देखलक 10आ जखन चिन्‍हलकैक जे, ई वैह अछि जे मन्‍दिरक “सुन्‍दर द्वारि” लग बैसि कऽ भीख मँगैत छल तँ आश्‍चर्यित भऽ अवाक रहि गेल जे, एकरा ई कोना भऽ गेलैक?
11ओ नीक कयल आदमी पत्रुस और यूहन्‍ना केँ पकड़नहि छल तखने सभ लोक आश्‍चर्य सँ भरल हुनका सभ लग “सुलेमानक असोरा” नामक जगह पर दौड़ि कऽ आयल। 12ई देखि पत्रुस ओकरा सभ केँ कहलथिन, “यौ इस्राएली भाइ लोकनि, एहि बात सँ अहाँ सभ आश्‍चर्यित किएक छी? अहाँ सभ हमरा सभ दिस एना किएक तकैत छी जेना हम सभ अपनहि शक्‍ति वा भक्‍ति सँ एकरा चलबाक सामर्थ्‍य देने होइऐक? 13अब्राहम, इसहाक और याकूबक परमेश्‍वर, अपना सभक पुरखा सभक परमेश्‍वर अपन सेवक यीशु केँ महिमा प्रदान कयलथिन। अहाँ सभ हुनका पकड़ि कऽ मृत्‍युदण्‍डक लेल पिलातुसक हाथ मे सौंपि देलहुँ और ओ जखन हुनका छोड़बाक निश्‍चय कयलनि तँ अहाँ सभ पिलातुसक समक्ष हुनका अस्‍वीकार कयलहुँ। 14अस्‍वीकार कयलहुँ तिनका जे पवित्र और धार्मिक छलाह, और अपना लेल छोड़बाक माँग कयलहुँ तकरा जे खूनी आदमी छल। 15एहि तरहेँ अहाँ सभ जीवनक स्रोत केँ मारि देलहुँ मुदा परमेश्‍वर हुनका जिआ देलथिन। हम सभ एहि बातक गवाह छी। 16यीशुएक शक्‍ति सँ आ हुनका नाम पर विश्‍वास कयला सँ ई आदमी, जकरा अहाँ सभ देखि रहल छी आ चिन्‍हितो छी, से स्‍वस्‍थ कयल गेल अछि। हँ, ओही नाम पर विश्‍वास कयलाक कारणेँ ई लोथ आदमी एखन अहाँ सभक समक्ष पूर्ण स्‍वस्‍थ अछि।
17“प्रिय भाइ लोकनि, हम जनैत छी जे अहाँ सभ और अहाँ सभक धर्मगुरु लोकनि सेहो बिनु किछु जननहि-बुझनहि ई काज कयलहुँ। 18मुदा एहि तरहेँ परमेश्‍वर अपन ओहि बात केँ पूरा कयलनि जे ओ अपन सभ प्रवक्‍ता लोकनिक माध्‍यम सँ कहने छलाह जे, हमर उद्धारकर्ता-मसीह केँ दुःख उठाबऽ पड़तनि। 19तेँ आब अहाँ सभ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू और परमेश्‍वर लग आउ, जाहि सँ अहाँ सभक पाप मेटित होअय और प्रभु अहाँ सभ केँ आत्‍मिक उत्‍साहक समय प्रदान करथि, 20और जाहि सँ अहाँ सभ लग परमेश्‍वर अपन मसीह केँ पठबथि जिनका ओ पहिनहि सँ नियुक्‍त कयने छथिन, अर्थात् यीशु केँ। 21ई आवश्‍यक अछि जे ओ ताबत धरि स्‍वर्ग मे रहथि जाबत धरि सभ बातक सुधार करबाक ओ समय नहि आओत जाहि समयक सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वर प्राचीन काल मे अपन चुनल प्रवक्‍ता लोकनि द्वारा वचन देने छथि। 22मूसा कहने छलाह जे, ‘तोरा सभक प्रभु-परमेश्‍वर तोरा सभक लेल हमरा जकाँ एक प्रवक्‍ता तोरा सभक अपन लोक मे सँ नियुक्‍त करथुन। ओ तोरा सभ केँ जे किछु कहथुन से तोँ सभ मानिहह। 23जे केओ हुनकर बात नहि मानत से अपना लोक मे सँ नष्‍ट कयल जायत।’#3:23 व्‍यव 18:15, 18, 19 24एहि तरहेँ शमूएल सँ लऽ कऽ हुनका बाद मे एखन तक आबऽ वला परमेश्‍वरक सभ प्रवक्‍ता लोकनि एहि वर्तमान समयक भविष्‍यवाणी कयने छथि। 25ओ सभ जाहि बातक भविष्‍यवाणी कयलनि, से अहाँ सभक बीच पूरा भेल, और परमेश्‍वर वचन दऽ कऽ अहाँ सभक पूर्वज सभक संग जे विशेष सम्‍बन्‍ध स्‍थापित कयलनि, ताहि मे अहूँ सभ सहभागी छी। ओ अब्राहम केँ कहलथिन, ‘तोरा वंश द्वारा पृथ्‍वीक सभ जाति आशिष पाओत।’#3:25 उत्‍पत्ति 22:18; उत्‍पत्ति 26:4 26परमेश्‍वर अपन सेवक यीशु केँ नियुक्‍त कऽ कऽ सभ सँ पहिने अहीं सभ लग पठौलनि जाहि सँ ओ अहाँ सभ केँ अधलाह मार्ग सँ घुमा कऽ आशिष देथि।”

Zvýraznění

Kopírovat

Porovnat

Sdílet

None

Chceš mít své zvýrazněné verše uložené na všech zařízeních? Zaregistruj se nebo se přihlas