YouVersion 標識
搜索圖示

मती 4

4
सैतान येसुके पापमे फसाइले चाहल्‍कै
(मरकुस १:१२-१३, लुका ४:१-१३)
1तकरबाद सैतानसे जाँचल ज्‍या कैहके पबितर आत्‍मा येसुके उजार जगहमे ल्‍यागेलै।#हिबरु २:१८, ४:१५ 2चालिस दिन आ चालिस रात येसु उजार जगहमे उपासे रहलै आ तकरबाद उ बहौत भुख्‍याल छेलै। 3तहै बखत सैतान ओकरलग आइबके कहल्‍कै, “साँचोके तु परमेस्‍वरके बेटा चिही त यि पथलसब रोटी भ्‍याजो कैहके आग्‍या कर।” 4तब येसु जबाफ देल्‍कै, “लिखल छै, ‘लोक रोटिएटासे जिबित नै रहैछै, महज परमेस्‍वरके मुहसे निकलल सब बचनसे जिबित रहैछै।’”#बेबस्‍था ८:३
5तब सैतान येसुके पबितर नगर यरुसलेमके मन्‍दिरके टुप्‍पीमे लज्‍याके कहल्‍कै, 6“यदि साँचोके तु परमेस्‍वरके बेटा चिही त अतेसे निचा कुद, कथिलेत धरमसास्‍तरमे लिखलछै जे-
‘तोरा बचाइले परमेस्‍वर आपन स्‍वरगदुतसबके पठाइतौ
आ तोहर टाङमे चोट नै लागे कैहके उसब तोरा हाथे-हाथ लोइकलेतौ।’”#भजनसङगरह ९१:११,१२
7येसु ओकरा कहल्‍कै, “लिखल छै, ‘तु परमपरभु आपन परमेस्‍वरके जाँच नै कर।’”#बेबस्‍था ६:१६
8फेनो सैतान येसुके एकटा उच्‍का पहारमे लज्‍याके सनसारके सब राज आ आपन सान देखाइत कहल्‍कै, 9“तु हमरा ठेङहुनिया द्‍याके गोरलागबिही त, यि सब चिज तोरा द्‍यादेबौ।” 10तब येसु फेनो ओकरा जबाफ देल्‍कै, “ए सैतान, तु हमर नजरसे दुर भ्‍याजो! कथिलेत लिखल छै, ‘तु परमपरभु आपन परमेस्‍वरके गोर लाग आ ओकरेटा सेबा कर।’”#बेबस्‍था ६:१३
11तब सैतान येसु लगसे चैलगेलै आ स्‍वरगदुतसब आइबके ओकर सेबा टहल करेलाग्‍लै।
गालिलमे येसु आपन काम सुरु करल्‍कै
(मरकुस १:१४-१५, लुका ४:१४-१५)
12जब येसु सुनल्‍कै बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍ना जहलमे ढोकल गेलछै तब येसु गालिल परदेस दिसन घुइमके चैलएलै।#मती १४:३, मरकुस ६:१७, लुका ३:१९,२० 13आ नासरत सहर छोइरके कफरनहुममे ज्‍याके ओतै रहेलाग्‍लै। यि सहर जबुलुन आ नप्‍ताली कुलके इलाका, समुन्‍दरके पखामे परैछै।#युहन्‍ना २:१२ 14अहिनङे यसैया अगमबक्‍ताके कहल बचन पुरा भेलै:
15“जबुलुन आ नप्‍तालीके कुलके इलाका,
यरदन लदीके ओहै पार समुन्‍दर दिसन जाइबला रस्‍तामे परैबला गैर-यहुदीसबके गालिल परदेस!#यसैया ९:१,२
16अन्‍हारमे बैठल लोकसब एकटा बरका इजोत देख्‍ने छै।
जेसब मिरतुके छाह भेल परदेसमे बैठल छेलै,
तकरासबमे इजोत चमकल छै।”
17ओहै बखतसे येसु परचार करैत कहेलाग्‍लै, “पस्‍चाताप कर कथिलेत स्‍वरगके राज नजदिक आइबगेलछौ।”#मती ३:२
येसुके पहिन्‍का चेलासब
(मरकुस १:१६-२०, लुका ५:१-११)
18जब येसु गालिल तालके कातमे टहलैत खिना पतरुस कहाइबला सिमोन आ ओकर भाइ अन्‍दरियास, दुनु भैयारीके माछ पकरैले तालमे जाल फेकैत देखल्‍कै। उसब मलाह रहै। 19तब येसु ओकरासबके कहल्‍कै, “हमर पछा लाग, आबसे हम तोरासबके माछ नै महज लोकसबके मलाह बनेबौ।” 20यि बात सुनैत मातर उसब आपन-आपन जाल छोइरके येसुके पछा लाग्‍लै।
21ओतेसे जाइत-जाइत औरो दुइगोरा जब्‍दियाके बेटासब याकुब आ ओकर भाइ युहन्‍नाके देखल्‍कै। उसब आपन बाबु जब्‍दिया सङे जाल तुनैत देखल्‍कै। उ ओइसबके आपनलग बोलाइल्‍कै। 22तब तखने उसब आपन बाबुके छोइरके येसुके पछा गेलै।
येसुके सिक्‍छा आ रोग-बिमारसे छुटकारा
(लुका ६:१७-१९)
23येसु पुरे गालिल परदेसके सभाघरसबमे सिक्‍छा देबे लाग्‍लै, स्‍वरगके राजके सुसमाचार परचार करैत आ लोकसबमे लागल सब परकारके रोग-बिमारके निक करल्‍कै।#मती ९:३५, मरकुस १:३९ 24अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्‍याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसुलग आनल्‍कै आ येसु ओइसबके निक करल्‍कै। 25तब गालिल परदेस, डेकापोलिस इलाका, यरुसलेम सहर, यहुदिया परदेस आ यरदन लदीके ओइपारसे बहौत बरका भिर ओकर पछा लाग्‍लै।

目前選定:

मती 4: MTHB

醒目顯示

分享

對照

複製

None

想要在所有設備上保存你的醒目顯示嗎? 註冊或登入