यूहन्ना 2

2
काना गाँवमे भेल बिहा
1आब तेसर दिन गालील जिलाके काना गाँवमे एकटा बिहा रहै। येशूके मयाँ भी उटा बिहामे गेल रहै। 2येशू आर ओकर चेलासिके भी उटा बिहामे निमन्त्रण देल रहै। 3जब मैजमानसब सभेटा अंगुरके मद्द पिबी लेल्कै, येशूके मयाँ येशूके कहैल्कै, “अंगुरके मद्द ते ओर्या गेलै।” 4यी सुनिके येशू आपन मयाँके कहैल्कै, “हे मयाँ, तुहें हमरा कथिले बताबैछैं? ख्रीष्टके रुपमे पहचान्ल जैके लिए हमर समय एखन नैऐलै छे।” 5मगर ओकर मयाँ नोकरसिके कहैल्कै, “येशू जेरं कहैछौ, तुहेंसब ओहिने कर।” 6यहूदी आदमीसिके आपन धार्मिक नियमके मुताबिक हात धुवैके रिवाज रहै। एरंको करैके लिए, ऊसब ओत्ते पत्थलके छटा घैल राखल्कै रहे। सभे घैलमे लगभग एक स लिटर पानी अटते रहै। 7येशू नोकरसिके कहैल्कै, “यी सभे घैलसब पानीसे भर।” ऊसब घैलके ठोठ तक पानीसे भरि देल्कै। 8तकरबाद येशू नोकरसिके कहैल्कै, “कनेजरा पानी लज्याके भोजके मडरके चाखैले दहैं।” सेल्याके ऊसब पानी लज्याके भोजके मडरके चाखैले देल्कै। 9भोजके मडर जब पानी चाखल्कै, जे आब अंगुरके मद्द बनी गेलै रहे ते, ऊ नैबुझे सकल्कै कि यी कतेसे ऐलै, मगर पानी भरेवाला नोकरसिके मालुम रहै। तब भोजके मडर दुलहाके बोल्याके कहैल्कै, 10“सभे आदमी ते सबसे पहेला बढियाँ अंगुरके मद्द खुवाबैछै, आर पाछु जब आदमीसब खुबे पिबिके मस्त भ्याजैछै, तब सस्ता अंगुरके मद्द खुवाबैछै। मगर तुहें ते सभैसे बढियाँ अंगुरके मद्द एखनतक जोगीके राख्ले छैं।”
11एरंके गालील जिलाके काना गाँवमे येशू पहेला चमत्कार करिके आपन महिमा प्रकट कैल्कै आपन महिमा पहेला बेर प्रकट कैल्कै। आर ओकर चेलासब ऊ ख्रीष्ट छै कहिके विश्वास कैल्कै।
येशू परमेश्वरके मन्दिरके शुद्ध कैल्कै
(मत्ती २१:१२-१३; मर्कू ११:१५-१७; लूक १९:४५-४६)
12तकरबाद येशू आपन मयाँ, भ्यासब आर चेलासिके संगे कफर्नहुम गाँवमे गेलै आर कुछु दिन ओत्ते रहलै।
13यहूदी आदमीसिके निस्तार पावन लग्हैमे ऐल रहै। तब येशू आर ओकर चेलासब यरूशलेम सहरमे गेलै। 14येशू परमेश्वरके मन्दिरके ऐगनमे कुछु आदमीसिके बलिदानके लिए गरु, भेंडा, आर पेर्वा बेच्ते देखल्कै। ऊ आरहौ आदमीसिके भी देखल्कै जे पैसा भजैते रहै। 15तब येशू रस्सीके एकटा कोडा बन्याके भेंडा आर गरु-माल समेत सभैके परमेश्वरके मन्दिरसे भगैल्कै। पैसा भजाबेवालासिके सिक्का छिरियाके ओकरसिके टेबुल उन्ट्या-पुन्ट्या देल्कै। 16पेर्वा बेचेवालासिके ऊ कहैल्कै, “एत्तेसे यी सभे चीज तुरन्ते ल्याजो। हमर पिताके घरके हाट-बजार नैबना।” 17तखनी ओकर चेलासिके धरमशास्त्रमे लिख्ल यी बात याद ऐलै,
“हे परमेश्वर, तोर घरके लिए हमर भक्ति हमर भितर आगिनके जुगुर जरैछै।”
18मगर यहूदी आदमीसिके अगुवासब येशूके कहैल्कै, “कि तोरा एरं करैके अधिकार छौं? छौं ते हमरासिके कोनो चमत्कार देखाबे सक्भ?” 19येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “यी परमेश्वरके मन्दिरके तोडी दहैं, आर हमे एकरा तीन दिनमे फेर बन्या देबै।” 20तब यहूदी आदमीसिके अगुवासब कहैल्कै, “यी परमेश्वरके मन्दिरके बनाबैले छियालिस साल लाग्लै आर तुहें एकरा तीन दिनमे बनाबे सक्भ?” 21मगर जे परमेश्वरके मन्दिरके बारेमे येशू बोल्लै रहे, उटा येशूके शरीर रहै। 22जहिया येशू मुर्दासे जिन्दा भेलै, तब येशूके बोल्ल यी बात चेलासिके याद ऐलै। तब चेलासब धरमशास्त्रमे जते ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा हुऐके बारेमे लिख्ल आर येशूके बोल्ल वचनपर विश्वास कैल्कै।
23जब येशू निस्तार पावनके समयमे यरूशलेम सहरमे रहै तब येशू ओत्ते बहुते चमत्कारसब कैल्कै। यी देखिके बहुते आदमीसब ओकरापर विश्वास कैल्कै। 24मगर येशू ओकरासिपर विश्वास नैकैल्कै कि ऊसब ओकरापर भरोसा कैल्कै रहे कहिनेकी ऊ आदमीसिके स्वभाव जान्ते रहै। 25ओकरा आदमीके विषयमे कक्रहौ सिखाबैके जरुरत नैरहै, कहिनेकी आदमीके मनके बात ऊ जान्ते रहै।

醒目顯示

分享

複製

None

想在你所有裝置上儲存你的醒目顯示?註冊帳戶或登入