1
यूहन्ना 4:24
jivən səndesh
mai
परमेश्वर आत्मा छथि, और ई आवश्यक अछि जे हुनकर आराधक आत्मा आओर सत्य सँ हुनकर आराधना करनि।”
Porównaj
Przeglądaj यूहन्ना 4:24
2
यूहन्ना 4:23
मुदा ओ समय आबि रहल अछि, हँ, आबिओ गेल, जे सत्य आराधक पिताक आराधना आत्मा और सत्य सँ करतनि, किएक तँ पिता एहने आराधक चाहैत छथि।
Przeglądaj यूहन्ना 4:23
3
यूहन्ना 4:14
मुदा जे ओ जल पीत जे हम देबैक, तकरा कहियो फेर पियास नहि लगतैक। कारण, हम ओकरा पिबाक लेल जे जल देबैक, से ओकरा मे सदिखन उमड़ैत रहतैक और अनन्त जीवन तक बहतैक।”
Przeglądaj यूहन्ना 4:14
4
यूहन्ना 4:10
यीशु उत्तर देलथिन, “जँ तोँ परमेश्वरक वरदान केँ जनितह, और ई जनितह जे ओ के छथि जे तोरा कहैत छथुन जे पिबऽ लेल दैह, तँ तोँही हुनके सँ मँगितह और ओ तोरा जीवनक जल दितथुन।”
Przeglądaj यूहन्ना 4:10
5
यूहन्ना 4:34
यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “हमर भोजन ई अछि जे हम अपन पठाबऽ वलाक इच्छाक अनुसार चली और जे काज हमरा देने छथि तकरा पूरा करी।
Przeglądaj यूहन्ना 4:34
6
यूहन्ना 4:11
स्त्री बाजल, “मालिक, पानि भरऽ लेल अपने केँ डोलो तक नहि अछि, और इनार गहींर अछि। ई जीवनक जल अपने लग आओत कतऽ सँ?
Przeglądaj यूहन्ना 4:11
7
यूहन्ना 4:25-26
स्त्री कहलकनि, “हम जनैत छी जे मसीह, जे ख्रिष्ट कहबैत छथि, से आबऽ वला छथि। ओ जखन औताह तखन हमरा सभ केँ सभ बात बुझा देताह।” यीशु ओकरा कहलथिन, “हम, जे तोरा सँ बात कऽ रहल छिअह, वैह छी।”
Przeglądaj यूहन्ना 4:25-26
8
यूहन्ना 4:29
“आउ, एक आदमी केँ देखू! जे किछु हम कहियो कयने छी, से सभ बात ओ हमरा कहलनि। की ई उद्धारकर्ता-मसीह तँ नहि छथि?”
Przeglądaj यूहन्ना 4:29