Logo YouVersion
Icona Cerca

मत्ती 2

2
ज्‍योतिषी सभक द्वारा दर्शन
1राजा हेरोदक समय मे जहिया यहूदिया प्रदेशक बेतलेहम गाम मे यीशुक जन्‍म भेलनि, तहिया पूब देशक ज्‍योतिषी सभ यरूशलेम नगर मे अयलाह। 2ओ सभ लोक सभ सँ पुछलथिन जे, “यहूदी सभक नवजन्‍मल राजा कतऽ छथि? कारण, हम सभ पूब मे हुनकर तारा देखलहुँ आ हुनकर दर्शन करबाक लेल आयल छी।” 3जखन राजा हेरोद ई समाचार सुनलनि तँ ओ अपने, आ यरूशलेमक सभ निवासी सेहो, घबड़ा गेलाह। 4राजा हेरोद यहूदी सभक मुख्‍यपुरोहित लोकनि आ धर्मशिक्षक सभ केँ जमा कऽ कऽ पुछलथिन जे, “आबऽ वला उद्धारकर्ता-मसीहक जन्‍म कतऽ होयबाक चाहियनि?”
5एहि पर ओ सभ कहलथिन जे, “यहूदिया प्रदेशक बेतलेहम गाम मे, कारण, धर्मशास्‍त्र मे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता ई लिखने छथि जे,
6‘हे बेतलेहम, यहूदिया प्रदेशक गाम!
तोँ यहूदिया प्रदेशक मुख्‍य नगर सभ मे सँ ककरो सँ कम नहि छह।
कारण, तोरा मे सँ एक शासन करऽ वलाक जन्‍म होयतनि,
जे हमर प्रजा इस्राएलक रखबार आ बाट देखौनिहार होयताह।’#2:6 मीका 5:2
7तखन राजा हेरोद ज्‍योतिषी सभ केँ बजा कऽ एकान्‍त मे पूछ-ताछ कऽ एहि बातक पता लगा लेलनि जे तारा हुनका सभ केँ ठीक कोन समय मे देखाइ देने छलनि। 8ओ हुनका सभ केँ ई कहि कऽ बेतलेहम पठौलथिन जे, “जाउ आ बालकक सम्‍बन्‍ध मे ठीक-ठीक पता लगाउ, और जखन ओ भेटि जाथि तँ हमरा खबरि करू, जाहि सँ हमहूँ जा कऽ हुनकर दर्शन करियनि।”
9राजाक बात सुनि ओ सभ विदा भऽ गेलाह। जे तारा हुनका सभ केँ पूब मे देखाइ देने छलनि से हुनका सभक आगाँ-आगाँ बढ़ैत जाइत फेर देखाइ देलक, और जाहि घर मे ओ बालक छलाह ताहि सँ उपर पहुँचि रूकि गेल। 10ओ सभ तारा केँ देखि अति आनन्‍दित भेलाह। 11घर मे प्रवेश कऽ ओ सभ बालक केँ हुनकर माय मरियमक संग देखलथिन। ओ सभ निहुड़ि कऽ बालक केँ प्रणाम कयलथिन और अपन-अपन बाकस खोलि सोन, धूप आ सुगन्‍धित तेलक चढ़ौना सभ बालक केँ चढ़ौलथिन। 12तकरबाद सपना मे परमेश्‍वरक ई आदेश पाबि जे, राजा हेरोद लग घूमि कऽ नहि जाउ, ओ सभ दोसर रस्‍ता सँ अपन देश घूमि गेलाह।
सुरक्षाक लेल मिस्र-प्रवास
13ज्‍योतिषी सभक चल गेलाक बाद परमेश्‍वरक एक स्‍वर्गदूत सपना मे यूसुफ केँ दर्शन देलथिन आ कहलथिन, “उठह, बालक आ हुनकर माय केँ लऽ कऽ एतऽ सँ भागह आ मिस्र देश मे चल जाह। जाबत तक हम घूमि अयबाक लेल नहि कहिअह ताबत ओतहि रहिहह। कारण, हेरोद एहि बालकक हत्‍या करबाक लेल हिनकर खोज कराबऽ वला अछि।” 14यूसुफ उठलाह और रातिए मे बालक आ हुनकर माय केँ लऽ कऽ मिस्र देशक लेल विदा भऽ गेलाह। 15ओ राजा हेरोदक मृत्‍यु तक ओतहि रहलाह। एहि तरहेँ परमेश्‍वर जे बात अपन प्रवक्‍ताक माध्‍यम सँ कहने छलाह से पूरा भेल जे, “हम मिस्र देश सँ अपना पुत्र केँ बजौलहुँ।”#2:15 होशे 11:1
बालक सभक हत्‍या
16जखन राजा हेरोद देखलनि जे ज्‍योतिषी सभ हुनका धोखा दऽ देलकनि तखन ओ क्रोध सँ भरि गेलाह। ओ ज्‍योतिषी सभक देल गेल सूचनाक आधार पर हिसाब लगौलनि जे बालक दू वर्षक वा ओहि सँ छोट होयबाक चाही, तेँ ओ अपना सैनिक सभ केँ पठा कऽ बेतलेहम आ ओकर लग-पास वला गाम सभक ओहि सभ बालक केँ मरबा देलनि जे सभ दू वर्षक और ओहि सँ छोट छल। 17एहि तरहेँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता यर्मियाहक माध्‍यम सँ कहल ई बात पूरा भेल जे,
18“रामाह मे एक चीत्‍कार उठल,
कन्‍ना-रोहटि और बड़का विलाप,
राहेल अपन बालक सभक लेल कानि रहल अछि।
ओ सान्‍त्‍वनाक बोल नहि सुनऽ चाहैत अछि,
किएक तँ आब ओकर बेटा सभ जीवित नहि रहलैक।”#2:18 यर्मि 31:15
मिस्र सँ नासरत नगर
19राजा हेरोदक मृत्‍युक बाद परमेश्‍वरक एकटा स्‍वर्गदूत मिस्र देश मे यूसुफ केँ सपना मे दर्शन दऽ कहलथिन, 20“उठह, बालक आ हुनकर माय केँ लऽ कऽ इस्राएल देश चल जाह, किएक तँ जे सभ बालक केँ जान सँ मारऽ चाहैत छल से सभ आब मरि गेल अछि।”
21यूसुफ उठलाह और बालक आ हुनकर माय केँ लऽ कऽ इस्राएल देश चल अयलाह। 22मुदा जखन ओ सुनलनि जे अरखिलाउस अपन पिता हेरोदक मृत्‍युक बाद यहूदिया प्रदेश मे राज्‍य कऽ रहल छथि तखन ओ ओतऽ जयबा सँ डेरयलाह। ओ फेर सपना मे परमेश्‍वरक आदेश पाबि गलील प्रदेश चल गेलाह। 23ओतऽ ओ नासरत नामक नगर मे रहऽ लगलाह। एहि तरहेँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता लोकनिक माध्‍यम सँ कहल ई बात पूरा भेल जे, “ओ नासरी कहौताह।”

Attualmente Selezionati:

मत्ती 2: mai

Evidenziazioni

Condividi

Copia

None

Vuoi avere le tue evidenziazioni salvate su tutti i tuoi dispositivi?Iscriviti o accedi

YouVersion utilizza i cookie per personalizzare la tua esperienza. Utilizzando il nostro sito Web, accetti il nostro utilizzo dei cookie come descritto nella nostra Privacy Policy