मत्ती 28

28
येशू मुर्दासे जिन्दा भेलै
(मर्कू १६:१-११; लूक २४:१-१२; यूह २०:१-१८)
1यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिन बित्लके अगला दिन ऐतबार भोरके समयमे, यानिकी हप्ताके पहेला दिन भोरे-भोर मरियम जे मग्देला सहरके रहै आर दोसर मरियम येशूके लास राख्ल सारा देखैले गेलै। 2तखनी अचानक बडका भूकम्प गेलै कहिनेकी परमेश्वरके एकटा स्वर्गदूत स्वर्गसे निच्चा उतर्लै आर साराके प्रवेशद्वारमे राख्ल बडका पत्थल गडक्याके ओकरापर बैठ्लै। 3ओकर रुप बिजलीके जुगुर चमकते रहै आर ओकर कपडा बरफके जुगुर उजरा रहै। 4ओत्ते पहरापर लाग्ल सिपाहीसब ओकरा देखिके डरसे थरथर काँपीके भुइयाँमे गिर्लै आर मुर्दा आदमीके जुगुर भ्यागेलै। 5तब स्वर्गदूत ऊ जनानीसिके कहैल्कै, “तुहेंसब नैडर, कहिनेकी हमे जानैछियै कि तुहेंसब येशूके खोजैले ऐलहैं छे, जकरा क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मार्ल गेलै रहे। 6ऊ एत्ते नैछै, कहिनेकी ओकर कहेल बमोजिम ऊ मुर्दासे जिन्दा भ्याके उठ्लै छे। या आपनहैं आबिके ओकरा राख्ल जगह देख। 7आब जो जल्दी जैके ओकर चेलासिके खबर दहैं कि, ऊ मुर्दासे जिन्दा भ्याके उठ्लै छे आर ऊ तोरसिसे पहेला गालील जिलामे जैछौ। ओथै तोरासिके ओकरसे भेट हैतौ। जो हमर कहेना एतनहैं छौ।” 8तब ऊसब डरके आर खुब आनन्दके साथ तुरन्ते सारा लगतसे निक्लीके चेलासिके खबर दियैले दौड्लै।
9अचानक येशू ओकरासिके भेट करिके कहैल्कै, “शान्ति।” ऊसब नज्दिक आबिके ओकर आगुमे झुकिके ओकर आराधना कैल्कै। 10तब येशू ओकरासिके कहैल्कै, “नैडर, जैके हमर चेलासिके गालील जिलामे जैले कहिदहैं, आर ओत्ते ऊसब हमरा देख्तै।”
पहरदारसब खबर आनल्कै
11जब ऊ जनानीसब चेलासिके यी खबर कहैके लिए जैते रहै, तखनिहैं साराके रखवाली करेवाला सिपाहीसब सहरमे जैके प्रमुख पुजारीसिके ओत्ते भेल घटनाके खबर देल्कै। 12जब प्रमुख पुजारीसब यहूदी आदमीसिके अगुवासिके संगे जमा भेलै, ऊसब सल्लाह कैल्कै आर सिपाहीसिके एरं कहिके बहुते पैसा देल्कै, 13“तुहेंसब आदमीसिके कहिहैं कि हमेसब सुत्ल समयमे येशूके चेलासब आबिके येशूके लास चोर्याके ल्यागेलै। 14कहुँ राज्यपालके कानमे तुहेंसब रखवाली करैके समयमे सुत्ल बात पुगियो जैतै ते हमेसब ओकरा सम्हारी लेबै आर तोरासिके जोग्या देबौ।” 15तब ऊसब उटा पैसा लेल्कै, आर ओकरासिके सिखैल जुगुर कैल्कै आर यहूदी आदमीसिमे ऐजतक इहे बात फैल्ल छै।
येशूके अन्तिम सन्देश
(मर्कू १६:१४-१८; लूक २४:३६-४९; यूह २०:१९-२३; प्रे १:६-८)
16ऊ एगारोटा चेलासब गालील जिलामे उटा पहाडमे गेलै, जते येशू ओकरासिके जैले आदेश देल्कै रहे। 17ऊसब येशूके देखिके ओकर आगुमे झुकिके आराधना कैल्कै, मगर कतनें झनके मनमे शंका भेलै कि येशू जिन्दा भेलै छे। 18तब येशू ओकरसिके लगत आबिके कहैल्कै, “स्वर्ग आर धर्तीके सभे अधिकार हमरा देल छै। 19सेल्याके तुहेंसब जो, आर जात-जातके आदमीसिके हमर चेला बना। ओकरासिके एकटा चिन्हके रुपमे बप्तिस्मा दहैं कि ऊसब परमेश्वर आर हमे, परमेश्वरके बेटा आर पवित्र आत्माके अनुसरण करैछै। 20हमे जतनें आदेश तोरासिके देलियौ छे उटा सभेटा पालन करैले ओकरासिके सिखा। आर देख, संसारके अन्तके समयतक हमे हमेशा तोरसिके साथमे छियौ।”

موجودہ انتخاب:

मत्ती 28: KYVNT

سرخی

شئیر

موازنہ

کاپی

None

کیا آپ جاہتے ہیں کہ آپ کی سرکیاں آپ کی devices پر محفوظ ہوں؟ Sign up or sign in