Kisary famantarana ny YouVersion
Kisary fikarohana

लुका 13

13
आपन पाप माइनके पस्‍चाताव कर
1ओइ बखत कतहेक लोकसब ओइ ठाममे छेलै, जे गालिलीसबके बारेमे येसुके कहैछेलै, “पिलातस हतिया कैरके ओकरासबके लहु बैलभोगके लहुसङे मिलादेनेछेलै।” 2तब येसु उसबके कहल्‍कै, “कि अनङ दुखमे परलाहा गालिलीसब औरो गालिलीसबसे बहुत पापी छेलै कैहके सोचैचिही? 3हम तोरासबके कहैचियौ, नै! महज तुसब आपन पाप माइनके पस्‍चाताप नै करबिही त ओहिनङके तोहेसब नास हेब्‍ही। 4या अठार गोरेके उपरमे सिलोआमके धरहरा खैसके मरल छेलै। कि उसब यरुसलेमके सब लोकसबसे बेसी पापी छेलै कैहके सम्‍झैचिही त? 5हम तोरासबके कहैचियौ, नै! महज तुसब आपन पाप माइनके पस्‍चाताप नै करबिही त ओहिना तुहुसब नास हेब्‍ही।”
फल नै फरैबला गाछ
6तकरबाद येसु ओकरासबके एकटा खिसा कहल्‍कै, “कोनो एकटा लोक आपन अङगुरके फुलबारीमे अन्‍जिर गाछ रोपने छेलै। उ समय समयमे अन्‍जिर फरलै कि नै देखैले एलै, महज फल नै भेटलै। 7उ मालीके कहल्‍कै, ‘तिन बरिस भेलै, हम यि गाछमे फल खोजैचियै, महज नै पाबैचियै। आब अकरा काइटके फेकदहै? कथिले यि जमिन अगोटतै।’ 8महज माली कहल्‍कै, ‘मालिक, औरो एक बरिस रहेदियौ। हम अकर आसपास खुइनके मलजल करबै, 9आ तकरबाद फल फरतै त निके हेतै, नै फरतै त अहाँ अकरा काइटके फेकदेबै।’”
येसु पबितर बिसरामके दिनमे निक करल्‍कै
10एकबेर पबितर बिसराम दिनमे येसु एकटा यहुदी सभाघरमे सिक्‍छा दैछेलै। 11ओते एकटा जनिके अठार बरिससे कमजोर करैबला दुस्‍ट आत्‍मा लागल छेलै। उ कुबरी भेल छेलै आ आपनेसे पिठ सोझ करे नै सकैछेलै। 12येसु ओकरा देखल्‍कै आ बोलाके कहल्‍कै, “हे जनी, आब तु आपन कमजोरीसे छुटकारा पाबलिही।” 13तब येसु ओकर उपरमे आपन दुनु हाथ राखल्‍कै। उ तखुन्‍ते सोझ भेलै आ परमेस्‍वरके परसन्‍सा करेलाग्‍लै।
14उ जनी पबितर बिसरामके दिनमे निक भेल देखके यहुदी सभाघरके सासक खिस्‍यागेलै। तब उ लोकसबके कहल्‍कै, “काम करैबला हप्‍ताके छ दिन छै! अइ खातिर छ दिनके भितर आइबके निक हो, महज पबितर बिसरामके दिनमे नै।”
15महज परभु ओकरासबके जबाफ देल्‍कै, “ए कपटीसब, के पबितर बिसरामके दिनमे आपन गाइ या गदहाके खुट्‍टासे घुरी खोइलके पानी पिआइले नै लजाइचिही से? 16यि अबराहमके बेटी जे अठार बरिससे सैतानके फन्‍हामे परल छेलै, पबितर बिसराम दिनमे यि फन्‍हासे उ छुटकारा हैके नै चाही?” 17येसुके यि जबाफ सुइनके ओकर बिरोधिसब लाजमे परलै। महज ओकर आस्‍चरजके करलाहा काम देखके औरो लोकसब खुसी भेलै।
रायके बिया आ खमिर
(मती १३:३१-३३, मरकुस ४:३०-३२)
18तब येसु ओकरासबके कहल्‍कै “परमेस्‍वरके राज केहन छै? अकरा हम कथिसे मिलाइबै? 19यि त एकटा रायके बिया जखाछै, जकरा लोकसब फुलबारीमे छिटैछै आ बैरहके एकटा गाछ भ्‍याजाइछै आ अकासके चिरैसब आइबके ओकर ठाइरसबमे खोता बनाइछै।”
20येसु फेनो कहल्‍कै, “परमेस्‍वरके राज हम ककरसे जोख्‍बै? 21यि त खमिर जखाछै, जे एकटा जनी तिन ढकिया आँटामे मिलाइल्‍कै आ सब अँटा खमिरा भ्‍यागेलै।”
सकेत केबार
(मती ७:१३-१४, २१)
22तकरबाद येसु सहर-सहर आ गाम-गाम हैत लोकसबके सिक्‍छा दैत यरुसलेम दिसन गेलै। 23तब कोइ येसुके कहल्‍कै, “परभु, कि कमे लोकसब मातर उधार पाबतै?” येसु उसबके कहल्‍कै, 24“सकेत केबारसे ढुकैले आपन पुरा बल लगा। कथिलेत, हम तोरासबके कहैचियौ, बहुत लोकसब ढुकैले चाहतै, महज ढुके नै सक्‍तै। 25घरके मालिक उठके केबार बन करतौ तब तुसब बाहरसे केबार ढकढकाइत कहबिही, ‘परभु, हमरासबके लेल केबार खोइलदिय।’ आ उ भितरसे जबाफ देतौ, ‘तुसब के चिही आ कतेसे एलचिही? हम नै चिन्‍हैचियौ।’ 26तब तुसब कहबिही, ‘हमसब अहैसङे बैठके खेलियै-पिलियै आ अहाँ हमरासबके गामके टोल-टोलमे सिक्‍छा दैछेलियै।’ 27महज उ फेनो कहतौ, ‘तुसब के चिही? हम नै चिन्‍हैचियौ। ए दुस्‍ट काम करैबलासब, हमरसे दुर चैलजो!’ 28ओइ बखत तोरासबके पुरखा अबराहम, इसहाक, याकुब आ सब अगमबक्‍तासबके परमेस्‍वरके राजमे देखबिही महज तुसब आपनके बाहर फेकल जेबिही तब तुसब कानबिही आ दाँत किटकिटाइबिही। 29लोकसब पुरुब, पछिम, उतर आ दछिनसे आइबके परमेस्‍वरके राजमे भोज खाइले बैठतै। 30आब सुन! जे अखन पछिल्‍का छै उ पहिन्‍का हेतै आ जे अखन पहिन्‍का छै उ पछिल्‍का हेतै।”
यरुसलेमके लेल येसुके सोक
(मती २३:३७-३९)
31ओहै बखत कुछ फरिसीसब येसुलग आइबके कहल्‍कै, “अहाँ अइ ठामसे निकैलके चैलजाउ, कथिलेत हेरोद रजा अहाँके मारैले चाहैछै।” 32येसु उसबके कहल्‍कै, “ज्‍याके ओइ नरहियाके एहन कैहदहै, ‘आइ आ बिहान हम भुतसब निकाल्‍बौ आ बिमारसबके निक करबौ तब तेसर दिन हमर काज पुरा हेतै।’ 33महज आइ, बिहान आ परसु हम आपन रस्‍तामे अगा बरहे परतै कथिलेत यरुसलेमके बाहर कोनो अगमबक्‍तासबके मारैले नै हैछै।
34 “ए यरुसलेमके लोकसब! तुसब अगमबक्‍तासबके मारैचिही आ परमेस्‍वरके दुतसबके पथल बरसाचिही! जनङ मुरगा आपन बच्‍चासबके डेन तरमे घोसाइरके राखैछै, तहिना कतेक बेर हम तोहर लोकसबके भेला करैले चाहलियौ, महज तुसब नै मानलिही। 35देख! आब तोहर मन्‍दिर उजार भेलछौ। हम तोरा कहैचियौ, जबकत तु ‘परभु परमेस्‍वरके नाममे आबैबलासब धैनके छै’ से नै कहबिही तबकत तुसब हमरा नै देखबिही।” #भजनसङगरह ११८:२६

Voafantina amin'izao fotoana izao:

लुका 13: MTHB

Asongadina

Dika mitovy

Mampitaha

Hizara

None

Tianao hovoatahiry amin'ireo fitaovana ampiasainao rehetra ve ireo nasongadina? Hisoratra na Hiditra

Horonantsary ho an'i लुका 13