Logo ya YouVersion
Elilingi ya Boluki

मरकुस 16

16
येसु मरके जि उठलै
(मती २८:१-८, लुका २४:१-१२, युहन्‍ना २०:१-१०)
1पबितर बिसरामके दिन बितलाके बाद मरियम मग्‍दलिनी, याकुबके माँ मरियम आ सलोमी येसुके लहासमे लगाबैले गमकौवा तेल आ अतर किनल्‍कै। 2हप्‍ताके पहिन्‍का दिन अनगुते उसब सुरुज उगैत मातर येसुके राखलहा चिहानमे गेलै। 3तब उसब रस्‍तामे जाइबखत आपसमे कहैछेलै, “चिहानके मुहमे राखलहा पथलके के हटादेतौ?” 4जब उसब ओइठाम पहुचलै तब चिहानके मुहमे राखलहा बरका पथल हट्‍याल देखल्‍कै। 5उसब जब चिहान भितर ढुक्‍लै तब ओते एकटा उजर बस्‍तर पिन्‍हलहा लोकके देहना कातमे बैठल देखल्‍कै आ उसब एकदमसे डेरागेलै। 6महज उ लोक ओकरासबके कहल्‍कै, “नै डेरा! तुसब कुरूस पर लटक्‍याल नासरतके येसुके खोजैचिही नै? उ त जिके उठल छौ आ अते नै छौ। ओकरा राखल ठाममे देख! 7आब जो, ओकर चेलासबके आ पतरुसके कैहदहै कि उ तोरासबसे अगारी गालिलमे ज्‍यारहलछौ आ ओतै तोरासबके भेटतौ।” 8तब उसब चिहानसे दौरले बाहर निकल्‍लै, कथिलेत उसब एकदम घबराल छेलै आ थरथर कापैत छेलै आ डरसे ककरो कुछो नै कहल्‍कै।
येसु चेलासबलग परगट भेलै
(मती २८:९-२०, लुका २४:१३-५३, युहन्‍ना २०:११-२३, परेरित १:४-११)
9[हप्‍ताके पहिन्‍का दिन येसु अनगुते जिके उठलै आ सबसे पहिने मरियम मग्‍दलिनी लग परगट भेलै। जकरसे येसु सात भुत आत्‍मासब निकाल्‍ने रहै। 10तब मरियम ओकर चेलासबके जेसब सोक करैत कानै-खिजै छेलै सेसबके यि बात सुनाइल्‍कै। 11महज जब येसु जिके उठलै आ मरियम लग देखा परलै से बात सुनल्‍कै तब उसब बिस्‍बास नै करल्‍कै।
12तकरबाद ओकर चेलासबमेसे दुइगोरे यरुसलेमसे गाम दिसन ज्‍यारहलछेलै। तैबखत येसु उसबके बिचमे दोसर रुपमे परगट भेलै। 13तब ओहोसब आइबके यि बात चेलासबके सुनाइल्‍कै महज तैयो नै उसबके बिस्‍बास भेलै।
14अन्‍तमे जब एगारहो चेलासब बैठके खान-पिन करैतरहै तहै बखत येसु ओइसबके बिचमे परगट भेलै। उसबके अबिस्‍बास आ कठोर हिरदयके कारन येसु उसबके खिस्‍याइल्‍कै। कथिलेत उ मरके जिबित भ्‍याल ओकरा देखैबला सबके बातमे उसब बिस्‍बास नै करनेरहै।
15तब येसु उसबके कहल्‍कै, “जो आ सरा सनसारमे ज्‍याके सरा सिरिस्‍टीके सब लोकसबके सुसमाचार परचार कर! 16बिस्‍बास करैबला आ बप्‍तिस्‍मा लैबलासब उधार पाबतै। महज बिस्‍बास नै करैबलासब दोसी ठहरतै। 17तब बिस्‍बास करैबलासब यि काम करतै- उसब हमर नाममे भुतसब भगाइतै, आन भसासब बोल्‍तै, 18उसब आपन हाथसे साँपसब पकरतौ आ कोनो परकारके बिखो पिलेतै त तैयो कोनो नोक्‍सान नै हेतै। तब रोगी-बिमारीसब उपर आपन हाथ राख्‍तै आ उसब निक हेतै।”
19तकरबाद परभु येसु ओइसबसङे बोइललेलाके बाद स्‍वरग दिसन उठ्‍यालगेलै आ परमेस्‍वरके देहना कात बैठलै। 20तब चेलासब सब ठामसबमे ज्‍याके परचार करल्‍कै। परभु उसबके मदत करल्‍कै आ अचममे कामसबसे ओकरासबके बचनमे सत छै कैहके ठहरेल्‍कै।]#१६:२० दुइटा पुरन्‍का आ बिस्‍बासिलो गिरिक हस्‍त लिखीत गरन्‍थसबमे (पान्‍डुलिपीसबमे) १६:१-८ मातरे उल्‍लेख करलगेलछै।

Currently Selected:

मरकुस 16: MTHB

Tya elembo

Kabola

Copy

None

Olingi kobomba makomi na yo wapi otye elembo na baapareyi na yo nyonso? Kota to mpe Komisa nkombo