Mufananidzo weYouVersion
Mucherechedzo Wekutsvaka

रोमी 5

5
मसीहक द्वारा परमेश्‍वर सँ मेल
1एहि तरहेँ विश्‍वास सँ धार्मिक ठहराओल जयबाक कारणेँ प्रभु यीशु मसीहक द्वारा परमेश्‍वर सँ अपना सभक मेल भेल अछि। 2यैह यीशु मसीह अपना सभ केँ परमेश्‍वरक संग एहि नव सम्‍बन्‍ध मे अनने छथि जे सम्‍बन्‍ध हुनका कृपा पर आधारित अछि आ जाहि सम्‍बन्‍ध मे अपना सभ स्‍थिर छी। और परमेश्‍वरक महिमा मे सहभागी होयबाक आशा मे आनन्‍दित छी। 3एतबे नहि, बल्‍कि कष्‍टक समय सभ मे सेहो आनन्‍दित होइत छी, किएक तँ अपना सभ जनैत छी जे कष्‍ट सँ धैर्य उत्‍पन्‍न होइत अछि, 4धैर्य सँ सच्‍चरित्रता आ सच्‍चरित्रता सँ आशा उत्‍पन्‍न होइत अछि। 5और ई आशा अपना सभ केँ निराश नहि होमऽ दैत अछि, किएक तँ परमेश्‍वर अपन पवित्र आत्‍मा जे अपना सभ केँ देने छथि, तिनका द्वारा अपन प्रेम अपना सभक हृदय मे भरि देने छथि।
6सोचू! अपना सभ जखन असहाये छलहुँ तहिए निर्धारित समय पर मसीह अधर्मी सभक लेल मरलाह। 7दुर्लभ बात अछि जे कोनो धार्मिको मनुष्‍यक लेल केओ अपन प्राण दिअय। हँ, कोनो नीक मनुष्‍यक लेल केओ मरबाक साहस कैओ लिअय। 8मुदा परमेश्‍वर अपना प्रेम केँ अपना सभक प्रति एहि तरहेँ देखबैत छथि जे, जखन अपना सभ पापिए छलहुँ तखने मसीह अपना सभक लेल मरलाह।
9तेँ जखन अपना सभ मसीहक खून द्वारा एखन धार्मिक ठहराओल गेलहुँ तँ निश्‍चय अपना सभ हुनका द्वारा परमेश्‍वरक दण्‍ड सँ सेहो बँचाओल जायब। 10किएक तँ जखन शत्रुताक अवस्‍था मे परमेश्‍वरक संग मेल-मिलाप हुनका पुत्रक मृत्‍यु द्वारा भऽ गेल, तखन मेल-मिलाप भऽ गेला पर हुनका पुत्रक जीवन द्वारा अपना सभक उद्धार किएक नहि होयत? 11एतबे नहि! अपना प्रभु यीशु मसीहक कारणेँ अपना सभ परमेश्‍वर मे आनन्‍दित सेहो छी, किएक तँ हुनके द्वारा आब परमेश्‍वर सँ मेल-मिलाप भऽ गेल अछि।
आदम द्वारा मृत्‍यु, मसीह द्वारा जीवन
12एके मनुष्‍यक द्वारा संसार मे पापक प्रवेश भेल आ पाप द्वारा मृत्‍युक। एहि तरहेँ मृत्‍यु सभ मनुष्‍य मे पसरि गेल, कारण, सभ केओ पाप कयने अछि। 13धर्म-नियम जे मूसा केँ देल गेल ताहि सँ पहिने सेहो संसार मे पाप छल, मुदा जतऽ नियम नहि होइत अछि ततऽ “नियम-उल्‍लंघन”क लेखा नहि राखल जाइत अछि। 14तैयो मृत्‍यु आदमक समय सँ लऽ कऽ मूसाक समय धरि ओहू लोक सभ पर शासन कयलक जे सभ परमेश्‍वरक आज्ञाक उल्‍लंघन करबाक द्वारा पाप नहि कयने छल, जेना आदम कयलक।
आदम तिनकर प्रतीक छल जे आबऽ वला छलाह। 15मुदा आदमक अपराध आ परमेश्‍वरक वरदान मे कोनो समानता नहि। कारण, जँ एके मनुष्‍यक अपराध सँ अनेको मनुष्‍य मरल, तँ एहि सँ कतेक बढ़ि कऽ एके मनुष्‍यक, अर्थात् यीशु मसीहक, वरदान द्वारा अनेको मनुष्‍य पर परमेश्‍वरक कृपा बरसल। 16कहाँ ओ एक व्‍यक्‍तिक पापक परिणाम आ कहाँ ई परमेश्‍वरक वरदान!—एहि मे कोनो समानता नहि, किएक तँ एक अपराधक फलस्‍वरूप न्‍याय कयल गेल आ मनुष्‍य केँ दण्‍ड-आज्ञा भेटलैक, मुदा बहुतो अपराधक बाद जे वरदान देल गेलैक, ताहि द्वारा दोष सँ छुटकारा भेटलैक। 17जँ एके मनुष्‍यक पापक कारणेँ ओहि मनुष्‍य द्वारा मृत्‍यु राज्‍य कयलक, तँ एहि सँ कतेक बढ़ि कऽ जकरा सभ केँ परमेश्‍वरक प्रशस्‍त कृपा आ धार्मिकताक दान भेटल छैक, से सभ एके मनुष्‍य, अर्थात् यीशु मसीह, द्वारा जीवन मे राज्‍य करत।
18एहि तरहेँ अपना सभ देखैत छी जे, जहिना एके अपराधक फलस्‍वरूप सभ मनुष्‍य केँ दण्‍ड-आज्ञा भेटलैक, तहिना एके नीक काजक फलस्‍वरूप सभ मनुष्‍यक लेल दोष सँ छुटकारा आ जीवनक प्रबन्‍ध कयल गेल। 19किएक तँ जाहि तरहेँ एक मनुष्‍यक आज्ञा-उल्‍लंघन सँ अनेको मनुष्‍य पापी भेल, ओही तरहेँ एक मनुष्‍यक आज्ञा-पालन सँ अनेको मनुष्‍य धार्मिक ठहराओल जायत। 20बीच मे धर्म-नियम आबि गेला सँ पापक वृद्धि भेल, मुदा जतऽ पाप बढ़ल ततऽ परमेश्‍वरक कृपा आरो बढ़ल, 21जाहि सँ जहिना पाप मनुष्‍य केँ मृत्‍यु दऽ कऽ शासन करैत छल, तहिना परमेश्‍वरक कृपा मनुष्‍य केँ धार्मिक ठहरा कऽ शासन करय, जकर फल अपना सभक प्रभु यीशु मसीह द्वारा अनन्‍त जीवन अछि।

Zvasarudzwa nguva ino

रोमी 5: mai

Sarudza vhesi

Sarudza zvinyorwa izvi

Yenzanisa

Pakurirana nevamwe

None

Unoda kuti zviratidziro zvako zvichengetedzwe pamidziyo yako yose? Nyoresa kana kuti pinda