1
मसीह-दूत 9:15
jivən səndesh
mai
प्रभु उत्तर देलथिन, “तोँ जाह, ओकरा हम चुनने छी जाहि सँ ओ गैर-यहूदी, ओकर सभक राजा सभ मे आ इस्राएली लोकक बीच मे हमर नामक प्रचार करय।
Yenzanisa
Ongorora {{vhesi}}
2
मसीह-दूत 9:4-5
ओ जमीन पर खसि पड़ल आ ओकरा एक स्वर सुनाइ देलक, “हौ साउल, हौ साउल, तोँ हमरा किएक सतबैत छह?” ओ पुछलकनि, “यौ प्रभु, अहाँ के छी?” ओ उत्तर देलथिन, “हम यीशु छी जिनका तोँ सता रहल छह।
3
मसीह-दूत 9:17-18
तखन हननियाह गेलाह आ ओहि घर मे प्रवेश कऽ साउल पर हाथ राखि कऽ कहलथिन, “यौ साउल भाइ, प्रभु जे अहाँ केँ रस्ता मे अयबा काल दर्शन देलनि, अर्थात् यीशु, सैह हमरा अहाँ लग पठौलनि जाहि सँ अहाँ फेर देखी आ पवित्र आत्मा सँ परिपूर्ण भऽ जाइ।” तखने साउलक आँखि सँ पपड़ी जकाँ किछु खसल आ ओ देखऽ लगलाह। ओ उठलाह और बपतिस्मा लेलनि।