यूहन्‍ना 2

2
यीशु विवाहक उत्‍सव मे
1एहि बातक तेसरे दिन गलील प्रदेशक काना नामक गाम मे विवाह छल। ओहिठाम यीशुक माय छलीह, 2और यीशु आ हुनकर शिष्‍य सभ सेहो विवाह मे निमन्‍त्रित छलाह। 3अंगूरक मदिरा घटला पर माय यीशु केँ कहलथिन, “हिनका सभ केँ आब मदिरा नहि छनि।” 4यीशु हुनका कहलथिन, “अहाँ हमरा ई किएक कहैत छी?#2:4 अक्षरशः “हे नारि, हमरा और अहाँ केँ की?” हमर समय एखन नहि आयल अछि।” 5तखन हुनकर माय बारिक सभ केँ कहलनि, “ई जे किछु तोरा सभ केँ कहथुन से करिहह!”
6लग मे यहूदी सभक रीतिक अनुसार शुद्ध करबाक लेल छओटा पाथरक घैल राखल छल। प्रत्‍येक मे करीब सौ-सवासौ लीटर अँटैत छल। 7यीशु बारिक सभ केँ कहलथिन, “घैल सभ मे पानि भरि दहक।” 8ओ सभ घैल केँ कानो-कान भरि देलक। तखन ओकरा सभ केँ कहलथिन, “आब किछु निकालि कऽ भण्‍डारी केँ दऽ अबहुन।” ओ सभ दऽ आयल, 9और भण्‍डारी ओहि पानि केँ चिखलनि जे आब मदिरा बनि गेल छल। हुनका नहि बुझल छलनि जे ई मदिरा कतऽ सँ आबि गेल (मुदा बारिक सभ जे पानि निकालने छल, तकरा सभ केँ बुझल छलैक), तेँ भण्‍डारी वर केँ बजा कऽ कहलथिन, 10“सभ आदमी तँ बढ़ियाँ वला मदिरा पहिनहि परसैत अछि, और बाद मे जखन लोक सभ बहुते पिबि लेने रहैत अछि तखने साधारण वला परसैत अछि, मुदा अहाँ बढ़ियाँ वला एखनो धरि रखनहि छलहुँ!”
11एहि तरहेँ गलीलक काना गाम मे यीशु अपन चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह सभ शुरू कऽ कऽ अपन महिमा प्रगट कयलनि और हुनकर शिष्‍य सभ हुनका पर विश्‍वास कयलनि।
12एकरा बाद यीशु अपन माय, भाय और शिष्‍य सभक संग कफरनहूम नगर गेलाह और ओहिठाम किछु दिन रहलाह।
यीशु मन्‍दिर मे
(मत्ती 21:12-13; मरकुस 11:15-17; लूका 19:45-46)
13यहूदी सभक फसह-पाबनि लग अयला पर यीशु यरूशलेम चल गेलाह। 14मन्‍दिर मे ओ लोक सभ केँ गाय-बड़द, भेँड़ा और परबा बेचैत और टेबुल पर बैसल पैसा भजबऽ वला सभ केँ पैसा भजबैत देखलनि। 15ई देखि यीशु रस्‍साक कोड़ा बना कऽ सभ केँ मन्‍दिर मे सँ बाहर भगा देलथिन, भेँड़ा और माल-जाल केँ सेहो। पाइ भजबऽ वला सभक सिक्‍का छिड़िया कऽ ओकरा सभक टेबुल उनटा देलथिन। 16परबा बेचऽ वला सभ केँ ओ कहलथिन, “एहि सभ केँ एतऽ सँ तुरत लऽ जाह! हमर पिताक घर केँ बजार नहि बनाबह!” 17तखन हुनकर शिष्‍य सभ केँ धर्मशास्‍त्रक ई लेख मोन पड़लनि जे, “हे परमेश्‍वर, अहाँक घरक लेल हमर धुनि हमरा खा जायत।”#2:17 भजन 69:9 18तखन यहूदी सभ हुनका कहलथिन, “ई सभ करबाक अधिकारक प्रमाण देबाक लेल अहाँ हमरा सभ केँ कोन चिन्‍ह देखायब?”
19यीशु उत्तर देलथिन, “एहि मन्‍दिर केँ ढाहि दिअ और हम एकरा तीन दिन मे फेर ठाढ़ कऽ देब।” 20एहि पर यहूदी सभ जबाब देलथिन, “एहि मन्‍दिर केँ बनाबऽ मे हमरा सभ केँ छियालिस वर्ष लागल, और की अहाँ एकरा तीन दिन मे फेर ठाढ़ कऽ देब!” 21मुदा यीशु जाहि मन्‍दिरक बारे मे बाजल छलाह, से हुनकर देह छलनि। 22तेँ बाद मे जखन ओ मरलाक बाद जीबि उठलाह तँ शिष्‍य सभ हुनकर एहि कथन केँ स्‍मरण कयलनि। तखन ओ सभ धर्मशास्‍त्रक लेख केँ और यीशुक बात केँ विश्‍वास कयलनि।
23जखन यीशु फसह-भोजक समय मे यरूशलेम मे छलाह, तँ बहुत लोक हुनकर चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह सभ जे ओ देखबैत छलाह, तकरा देखि कऽ हुनका पर विश्‍वास कयलकनि, 24मुदा यीशु अपना केँ ओकरा सभक भरोस पर नहि छोड़लनि, कारण सभ मनुष्‍य केँ ओ जनैत छलाह। 25मनुष्‍यक बारे मे हुनका ककरो द्वारा कोनो साक्षीक आवश्‍यकता नहि छलनि, किएक तँ ओ अपने जनैत छलाह जे मनुष्‍यक मोन मे की बात होइत छैक।

Выделить

Поделиться

Копировать

None

Хотите, чтобы то, что вы выделили, сохранялось на всех ваших устройствах? Зарегистрируйтесь или авторизуйтесь

YouVersion использует файлы cookie, чтобы персонализировать ваше использование приложения. Используя наш веб-сайт, вы принимаете использование нами файлов cookie, как описано в нашей Политике конфиденциальности