Kisary famantarana ny YouVersion
Kisary fikarohana

लुका 4:5-8

लुका 4:5-8 MTHB

तकरबाद सैतान येसुके पहारके टुप्‍पीमे लज्‍याके एके झलकमे सनसारके सारा राजसब देखेल्‍कै। सैतान ओकरा कहल्‍कै, “हम यि सब राजके रजा, यि सब धन-सम्‍पतीके मालिक बन्‍या सकैचियै कथिलेत यि सब अधिकार हमर हाथमे देल छै आ हम जकरा चाहबै तकरा दैले सकैचियै। झुकके हमर टाङमे गोरलागबै त, यि सब चिज अहाँके भ्‍याजेतै।” तब येसु ओकरा जबाफ देल्‍कै, “पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल छै, ‘तु परमपरभु, खालि आपन परमेस्‍वरके गोर लाग आ ओकरेटा सेबा कर।’”

Horonantsary mifandraika aminy