रोमी 15
15
दोसरके वास्ता कर
1अपनासब बिस्बासमे बौकार भेल लोकसब आपने मातरे खुसी नै बल्की बिस्बासमे कमजोर भेल लोकसबके धिरजसाथ सहायता करैले परतौ। 2हमसब सबगोरे आपन-आपन परोसियाके भलाइ आ बिस्बासमे बौकार बनाबैके लेल ओकरासबके खुस करैले परतौ। 3कथिलेत खिरिस्ट सेहो अपना खुस करैबला काम नै करल्कै। जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै,
“अहाँके निन्दा करैबलासबके निन्दा
हमरमे परलछै।”#भजनसङगरह ६९:९
4पबितर धरमसास्तरमे पहिने लिखल बातसब अपनासबके सिक्छा दैकेलेल छेलै। धरमसास्तरमे भेल बातसे अपनासबके सहैबला सक्ती आ हौसला दैछै ताकि अपनासबके आसा बनल रहे। 5सहैबला सक्ती आ हौसला दैबला परमेस्वर तोरासबके येसु खिरिस्टके जिबन जखा जियैले आ एके मनके हैले सक्ती देबे। 6अहिनङके तुसब एके मनके भ्याके एके सोरमे अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके पिता आ परमेस्वरके महिमा करैले सकबिही।
गैर-यहुदीसबके लेल सुसमाचार
7जहिनङ खिरिस्ट परमेस्वरके महिमाके खातिर तोरासबके सुइकार करनेछौ तहिनङे तुहुसब एक-दोसरके सुइकार कर। 8हम तोरासबके यि बात कहैचियौ कि, परमेस्वर यहुदीसबके पिता-पुरखासबसङे करल परतिग्या सत छै से देखाबैले खिरिस्ट यहुदीसबके सेबक बन्लै। 9परमेस्वर गैर-यहुदीयोसबके अनुगरह करल्कै ताकि ओहोसब ओकर महिमा करे। जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै,
“अहैसे गैर-यहुदीसबके बिचमे हम अहाँके परसन्सा करबै
आ अहाँके नामके इस्तुती गाब्बै।”#२ सामुएल २२:५०, भजनसङगरह १८:४९
10फेर दोसर ठाममे एहेन लिखल छै,
“हे गैर-यहुदीसब,
परमेस्वरके छानल लोकसबसङे आनन्द मना।”#बेबस्था ३२:४३
11पबितर धरमसास्तर इहो कहैछै,
“हे सब गैर-यहुदी लोकसब,
परभुके परसन्सा कर
आ सब जातिके लोकसब, ओकरे परसन्सा कर।”
12दोसर ठाममे यसैया अगमबक्ता फेर कहैछै,
“यिसैके बंससे एक गोरे एतै,
उ गैर-यहुदीसब उपर सासन करतै
आ उसब ओकरेमे आसा राख्तै।”#यसैया ११:१०
13तुसब आसा दैबला परमेस्वरमे बिस्बास करनेचिही। ओह्या तोरासबके आनन्द आ सान्तीसे भैरदेबे। तहिनङे पबितर आत्माके सक्तिसे तोरासबके आसा बैढते जाय।
पावलके सेबाके उदेस्य
14हे हमर भाइ-भैयासब, हम जानैचियै कि तुसब असल चिही, सब परकारके ग्यानसे भरपुर आ एक-दोसरके सिक्छा दैले योग्यके चिही। 15तैयो हम तोरासबके कुछ बात याद कराबैके लेल साहस कैरके यि चिठी लिखैचियौ। कथिलेत परमेस्वर हमरा अनुगरह करनेछै, 16आ हमरा गैर-यहुदीसबके सुसमाचार सुनाइले खिरिस्टके सेबक बनाइनेछै। जनङ पुजारी परमेस्वरके अगा मनपरैबला भेटी चरहाबैछै तहिनङे हम्हु पुजारीके सेबा पुरा करैचियै। गैर-यहुदीसबके परमेस्वर लग लाबैले आ उसब पबितर आत्मासे सुध भ्याके परमेस्वरके मनपरैबला भेटी हेबे कैहके हम परमेस्वरके सुसमाचार सुनाबैचियै। 17ओहैसे येसु खिरिस्टके कारन परमेस्वरके लेल हमर करल काममे हम गर्भ करैचियै। 18येसु खिरिस्ट हमर जिबनसे करल कामके बारेमे मातरे हम बोलैले साहस करैचियै। उ हमर काम आ परचारसे गैर-यहुदीसब परमेस्वरके आग्यापालन करैले सिखनेछै। 19उसब पबितर आत्माके सक्ती, अचमके चेन्हासब आ कामसब दुवारा बिबस करलगेल छेलै। अहिनङे हम यरुसलेमसे इल्लुरिकन परदेसतक पुरे खिरिस्टके सुसमाचारके परचार करनेचियै। 20दोसर कोइके सुरु करल जगमे घर बनाबैबला जखा हम नै चियै महज खिरिस्टके बारेमे कहियो नै सुनल ठाममे सुसमाचार परचार करनाइ हमर उतकट इक्छाछै। 21कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै,
“ओकर बारेमे जकरा कोइ नै कहनेछै, उसब ओकरा देख्तै
आ ओकर बारेमे जकरा कोइ नै सुनाइने छै, उसब ओकर बात बुझतै।”#यसैया ५२:१५
रोममे जाइके पावलके योजना
22अनङ लया लया ठाममे परचार करैले जाइके कारन हम तोरासबलग बहुतो बेर आबैले चाहतो परभी नै सकलियौ। 23महज यि ठामसबमे हम परचारके काम पुरा कैरलेने चियै। बहुतो बरिससे तोरासबके भेटैले हमर उतकट इक्छाछै। 24ओहैसे हम इस्पेन परदेस जाइबखत बाटेमे तोरासबके भेटैके आसा करनेचियौ आ कुछ समय तोरासबसङे बिताबैके इक्छा करनेचियै। तब हमरा तुसब इस्पेन परदेस जाइले सहायता करबिही से आसा हम करनेचियौ। 25महज अखुन हम परमेस्वरके पबितर जनसबके सहायता करैले यरुसलेम दिसर जाइचियै।#१ कोरन्थी १६:१-४ 26कथिलेत अखैया आ माकेडोनिया परदेसमे भेल मन्डलीसब यरुसलेमके गरिब बिस्बासीसबके रुपैया-पैसा सहायता करैले इक्छा करनेछै। 27उसब यि रुपैया-पैसा राजिखुसीसे जम्मा करनेछै। बास्तममे यरुसलेमके गरिबसब बिस्बासीसबके मदत करैले उसब रिनी छेलै, कथिलेत गैर-यहुदीसब यहुदीसबसे आत्मिक आसिस पाबने छेलै। ओहैसे गैर-यहुदीयोसब ओइसबके अभाबमे परल बखत सहायता करनाइ उचित चियै।#१ कोरन्थी ९:११ 28तैखातिर यरुसलेमके मन्डलीके लेल पठ्याल रुपैया-पैसा ओइसबके जिम्मा लगेलाके बाद हम इस्पेन परदेस दिसर जाइबखत तोरासबके सेहो बाटेमे भेट करबौ। 29जब हम तोरासबलग एबौ, तब येसु खिरिस्टके देल भरपुर आसिस ल्याके एबौ। 30पिरिय भाइ-भैयासब, अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट आ पबितर आत्माके देल परेमके कारन हमर दुखमे सहायता करैले हमरसङे परमेस्वरसे सबदिन परथना कर कैहके तोरासबसे बिन्ती करैचियौ। 31हम यहुदिया परदेसमे भेल परमेस्वरमे बिस्बास नै करल लोकसबसे बचैले सकि आ जे रुपैया-पैसा पुगाबैले हम यरुसलेम ज्यारहल चियै तकरा ओइ ठाममे परमेस्वरके पबितर जनसब खुसिसे सुइकार करैले सके कैहके परथना कैरदिहे। 32यदि परमेस्वरके इक्छा हेतै त हम खुसिसे तोरासबलग एबौ आ तोरासबसङे संगती कैरके आनन्द मनाइबौ। 33सान्ती दैबला परमेस्वर तोरासबसङे रहे। आमेन।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
रोमी 15: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង
ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.