Akara Njirimara YouVersion
Akara Eji Eme Ọchịchọ

मती 19

19
छोरपतरके बारेमे येसुके सिक्‍छा
(मरकुस १०:१-१२)
1यि सब बात कैहलेलाके बाद येसु गालिलसे पैदले यरदन लदीके ओइपार यहुदा इलाका दिसन गेलै। 2लोकसबके बरका भिर ओकर पछा लाग्‍लै आ येसु ओते लोकसबके ओकर बिमारी सबसे निक करल्‍कै।
3तब कुछ फरिसीसब आइबके येसुके ओकरे बातमे फसाइले पुछल्‍कै, “कि कोनो लोक बिना कारन आपन घरबालीके छोरपतर देनाइ उचित छै?” 4येसु जबाफ देल्‍कै, “सिरिस्‍टीकरता परमेस्‍वर सुरुमे लोकके मरद आ जनी कैरके बनेल्‍कै, कि तुसब पबितर धरमसास्‍तर नै पढने चिही?#उतपती १:२७, ५:२ 5आ परमेस्‍वर फेनो कहल्‍कै, ‘तैखातिर लोक आपन माँ-बाबुके छोरैछै आ आपन घरबालीसङे मिलल रहैछै आ उ दुनु एके देह हैछै।’#उतपती २:२४ 6आबसे उसब दुइ नै, महज एके देह हैछै। तैखातिर जकरा परमेस्‍वर एकसाथ जोरने छै, तकरा कोनो लोक नै छुटाबे।”
7तखैन फरिसीसब ओकरा पुछल्‍कै, “तब मोसा कथिले छोरपतरके नालिस लिखके आपन घरबालीके छोरैले हुकुम देल्‍कै त?”#बेबस्‍था २४:१-४, मती ५:३१ 8येसु ओइसबके कहल्‍कै, “यि त तोरासबके हिरदय कठोर भेलाके कारनसे आपन घरबालीके छोरपतर दैके अनुमति मोसा देनेछेलौ। महज सुरुमे त एहेन नै छेलै। 9हम तोरासबके कहैचियौ, जे आपन घरबालीके बेबिचारके बाहेक औरो कोनो कारनसे छोइरके दोसरसे बियाह करैछै त, उ लोक बेबिचार करैछै।”#मती ५:३२, १ कोरन्‍थी ७:१०-११
10तब चेलासब कहल्‍कै, “यदि घरबला घरबालीके समबन्‍ध ऐहेन हैछै त, बरु बियाहे नै करनाइ उचित हेतै।” 11तब येसु कहल्‍कै, “सबलोक यि बचन गरहन करे नै सक्‍तै, महज परमेस्‍वर कुछ लोकके मातरे यि बचन सुइकार करेसकैबला बनाइनेछै। 12बियाह नै करैबला बहुतो कारनसब छै, कथिलेत कोइ जलमेसे नपुंसक हैछै, ककरो औरो लोक नपुंसक बन्‍या दैछै आ कोइ आपने-आप स्‍वरगके राजके लेल नपुंसक भ्‍याजाइछै।#१९:१२ स्‍वरगके राजके लेल नपुंसक भ्‍याजाइछै- परमेस्‍वरके राजके लेल बियाह नै करैछै। १ कोरिन्थी ७:३२-३५ जेसब यि सब बातके सुइकार करे सकैछै, से कोइ सुइकार करे।”
येसु छोट धियापुताके आसिरबाद देल्‍कै
(मरकुस १०:१३-१६, लुका १८:१५-१७)
13तब लोकसब आपन धियापुतासबके उपर हाथ राइखके परथना कैरदेबे से बिचार कैरके येसुलग आनल्‍कै। महज यि देखके चेलासब ओइसबके खिस्‍याइल्‍कै। 14महज येसु कहल्‍कै, “छोट धियापुतासबके हमरलग आबैले दहै, ओइसबके नै रोकै, कथिलेत स्‍वरगके राज अहिने लोकसबके लेल चियै।”
15तब येसु धियापुतासबके उपर आपन हाथ राइखके आसिरबाद देल्‍कै आ ओतेसे चैलगेलै।
धनिक लोक
(मरकुस १०:१७-३१, लुका १८:१८-३०)
16तब एकटा लोक येसुलग एलै आ कहल्‍कै, “हे गुरु जी, अनन्‍त जिबन पाबैले हमरा कोन असल काम करेपरतै?”
17येसु ओकरा जबाफ देल्‍कै, “असल कथी चियै, से तु हमरा कथिले पुछैचिही? असल त एकटा मातरे छै। यदि तु अनन्‍त जिबन पाबैले चाहैचिही त, परमेस्‍वरके आग्‍यासब पालन कर।”
18उ लोक कहल्‍कै, “कोन आग्‍यासब?” तब येसु कहल्‍कै, “हतिया नै कर, बेबिचार नै कर, चोरी नै कर, झुठा गबाही नै दहै,#परस्‍थान २०:१३, बेबस्‍था ५:१७, परस्‍थान २०:१४, बेबस्‍था ५:१९, परस्‍थान २०:१६, बेबस्‍था ५:२० 19आपन माँ-बाबुके आदर कर आ आपन परोसियाके आपने जखा परेम कर।”#परस्‍थान २०:१२, बेबस्‍था ५:१६, लेबी १९:१८
20तब उ जबान लोक येसुके कहल्‍कै, “यि सब आग्‍यासब त हम पालन कैरते आबैचियै। आब हमरा कथी करेपरतै?”
21येसु ओकरा कहल्‍कै, “यदि तु साँचेके असल हैले चाहैचिही त, तोहरसङे भेल सब धन-सम्‍पती बेचके गरिबसबके बाइट दहै तब तोरा स्‍वरगमे धन मिल्‍तौ। तब आइबके हमर पछा लाग।”
22यि बात सुइनके उ लोक एकदम निरास भेलै आ ओतेसे चैलगेलै, कथिलेत ओकरा बहुत धन-सम्‍पती रहै।
23तब येसु आपन चेलासबके कहल्‍कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, धनिक लोकके स्‍वरगके राजमे आबैले एकदमे कठिन हैछै। 24हम फेनो तोरासबके कहैचियौ, धनिक लोकके परमेस्‍वरके राजमे आबैसे त बरु, उंटके टिपनीके नाथिमे ढुकैले असान हैछै।” 25तब चेलासब आस्‍चरजमे पैरके येसुके कहल्‍कै, “तब के उधार पाबतै त?” 26येसु चेलासबके दिसन ताकैत कहल्‍कै, “यि काम लोकसबके लेल असम्‍भब छै, महज परमेस्‍वरके लेल सबकुछ सम्‍भब छै।”
27तब पतरुस कहल्‍कै, “देखु, हमसब त आपन सबकुछ छोइरके अहाँके पछा लागलेचियै। हमरासबके कथी मिल्‍तै?” 28येसु उसबके कहल्‍कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, लया सिरिस्‍टीमे जहिया मानबके बेटा आपन महिमाके सिंहासनमे बैठतै, तहिया तुहुसब बारह सिंहासनमे बैठबही आ इजराएलके बारह कुलके नियाय करबिही।#मती २५:३१, लुका २२:३० 29जे कोइ हमर खातिर आपन घरदुवार, भाइ-बहिन, माँ-बाबु, बेटाबेटी आ जगहा-जमिन छोरैछै, उ सय गुना पाबतै आ अनन्‍त जिबनके हकदार हेतै। 30महज जेसब अखुन अगा छै, उ पछा हेतै आ जेसब अखुन पछा छै उसब अगा हेतै।”#मती २०:१६, लुका १३:३०

Nke Ahọpụtara Ugbu A:

मती 19: MTHB

Mee ka ọ bụrụ isi

Kesaa

Mapịa

None

Ịchọrọ ka echekwaara gị ihe ndị gasị ị mere ka ha pụta ìhè ná ngwaọrụ gị niile? Debanye aha gị ma ọ bụ mee mbanye