Logo de YouVersion
Ícono Búsqueda

मरकुस 6:41-43

मरकुस 6:41-43 MAI

यीशु ओहि पाँचटा रोटी और दूटा माछ केँ हाथ मे लऽ कऽ, स्‍वर्ग दिस तकैत परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देलनि। ओ रोटी केँ तोड़ि-तोड़ि, लोक सभ मे परसबाक लेल शिष्‍य सभ केँ देलथिन। तखन ओहि दूटा माछो केँ हुनका सभ केँ लोक सभ मे परसबाक लेल देलथिन। सभ केओ भरि इच्‍छा भोजन कयलक। शिष्‍य सभ जखन रोटी आ माछक उबरल टुकड़ी सभ बिछलनि तँ बारह छिट्टा भेल।

Planes y devocionales gratis relacionados con मरकुस 6:41-43