YouVersion Logo
Search Icon

मरकुस 4

4
बीया बाउग करऽ वला किसानक दृष्‍टान्‍त
(मत्ती 13:1-9; लूका 8:4-8)
1दोसर बेर यीशु फेरो झीलक कात मे लोक सभ केँ शिक्षा देबऽ लगलाह। हुनका लग ततेक लोक जमा भऽ गेल जे ओ झील मे नाव पर चढ़ि कऽ किनार सँ कनेक हटि कऽ बैसि गेलाह। लोक सभ किनार पर सँ हुनकर शिक्षा सुनैत छल। 2ओकरा सभ केँ ओ बहुत बात दृष्‍टान्‍त सभक द्वारा सिखबैत छलथिन।
3एहि बेर उपदेश दैत ओ कहलथिन, “सुनू! एक किसान बीया बाउग करबाक लेल गेल। 4बीया बाउग करैत काल किछु बीया रस्‍ताक कात मे खसल आ चिड़ै सभ आबि ओकरा खा लेलकैक। 5किछु बीया पथराह जमीन पर खसल जतऽ बेसी माटि नहि होयबाक कारणेँ ओ जल्‍दी जनमि गेल। 6मुदा रौद लगिते ओ झरकि गेल आ जड़ि नहि पकड़ि सकबाक कारणेँ सुखा गेल। 7फेर दोसर बीया काँट-कुशक बीच मे खसल मुदा काँट-कुश बढ़ि कऽ ओकरा दबा देलकैक। तेँ ओहि बीया सँ कोनो फसिल नहि भेलैक। 8किछु बीया नीक जमीन पर पड़ल। ओ जनमि कऽ फड़ल-फुलायल और फसिल देलक—कोनो तीस गुना, कोनो साठि गुना, कोनो सय गुना।”
9तखन यीशु कहलथिन, “जकरा सुनबाक कान छैक, से सुनओ।”
दृष्‍टान्‍त देबाक कारण
(मत्ती 13:10-17; लूका 8:9-10)
10बाद मे जखन यीशु अपन बारह शिष्‍य आ आरो संगी सभक संग एकान्‍त मे छलाह तखन ओ सभ एहि दृष्‍टान्‍तक बारे मे हुनका सँ पुछलथिन। 11यीशु कहलथिन, “परमेश्‍वरक राज्‍यक रहस्‍यक ज्ञान अहाँ सभ केँ देल गेल अछि, मुदा जे बाहरक लोक अछि तकरा सभक लेल सभ बात दृष्‍टान्‍तक रूप मे रहैत छैक, 12जाहि सँ, जहिना लिखल अछि,
‘तकितो ओ सभ देखय नहि,
सुनितो ओ सभ बुझय नहि।
एना जँ नहि रहैत तँ
ओ सभ घुमि कऽ परमेश्‍वर लग अबैत और क्षमा पबैत।’#4:12 यशा 6:9, 10
किसान वला दृष्‍टान्‍तक अर्थ
(मत्ती 13:18-23; लूका 8:11-15)
13तखन यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “जँ अहाँ सभ एहि दृष्‍टान्‍तक अर्थ नहि बुझैत छिऐक तँ आरो दृष्‍टान्‍तक अर्थ कोना बुझबैक? 14बाउग करऽ वला परमेश्‍वरक वचन केँ बाउग करैत अछि। 15रस्‍ताक कात मे खसल बीया जकाँ ओ व्‍यक्‍ति अछि जकरा मे परमेश्‍वरक वचन बाउग कएल गेल छैक, और जखने ओ वचन सुनैत अछि तखने शैतान आबि कऽ ओकरा मे सँ बाउग कएल गेल वचन निकालि कऽ लऽ जाइत छैक। 16तहिना दोसर आदमी ओहि बीया जकाँ अछि जे पथराह जमीन पर बाउग कएल गेल अछि। ई सभ परमेश्‍वरक वचन सुनि कऽ अपार आनन्‍दक संग तुरत ओकरा स्‍वीकार करैत अछि, 17मुदा ओ वचन ओकरा मे जड़ि नहि पकड़ैत छैक और तेँ कनेके काल तक स्‍थिर रहैत अछि। जखन वचनक कारणेँ ओकरा कष्‍ट और अत्‍याचार सहबाक स्‍थिति अबैत छैक तखन ओ सभ तुरत विश्‍वास केँ छोड़ि दैत अछि। 18फेर दोसर आदमी ओहि बीया जकाँ अछि जे काँट-कुशक बीच खसल। ई सभ वचन तँ सुनैत अछि 19मुदा एहि संसारक चिन्‍ता, धनक मोह-माया आ आरो चीजक लालसा हृदय मे आबि कऽ वचन केँ दबा दैत छैक और ओ वचन ओकरा जीवन मे कोनो फल नहि दैत अछि। 20नीक जमीन मे बाउग कयल गेल बीया जकाँ ओ सभ अछि जे वचन केँ सुनि कऽ ओकरा स्‍वीकार करैत अछि और फड़ि-फुला कऽ फसिल दैत अछि—केओ तीस गुना, केओ साठि गुना, केओ सय गुना।”
ध्‍यान सँ सुनू!
(लूका 8:16-18)
21यीशु हुनका सभ केँ पुछलथिन जे, “की केओ डिबिया लेसि कऽ बासन सँ झँपैत अथवा चौकीक नीचाँ रखैत अछि? डिबिया तँ की लाबनि पर नहि रखैत अछि? 22जँ किछु झाँपल अछि तँ एहि लेल जे उघारल जाय। जँ कोनो बात गुप्‍त अछि तँ एहि लेल जे एक दिन प्रगट कयल जाय। 23जे सुनि सकैत अछि से सुनए!”
24तखन ओ हुनका सभ केँ फेर कहलथिन, “जे बात सुनैत छी तकरा पर ध्‍यान दिअ! जाहि नाप सँ अहाँ देब, ओही नाप सँ अहाँ केँ देल जायत, और ओहि सँ बेसिओ। 25किएक तँ जकरा छैक, तकरा आरो देल जयतैक और जकरा नहि छैक, तकरा सँ जेहो छैक सेहो लऽ लेल जयतैक।”
परमेश्‍वरक राज्‍य बढ़ैत बीया जकाँ अछि
26तखन ओ इहो कहलथिन, “परमेश्‍वरक राज्‍य एना छैक—एक आदमी खेत मे बीया बाउग कऽ कऽ 27अपन दिन-चर्या मे लागि जाइत अछि। ओ बीया अँकुरित होइत छैक और बढ़ैत छैक, ओना तँ ओ आदमी ई नहि बुझैत अछि जे कोना ई सभ होइत छैक। 28भूमि अपने सँ फल लबैत छैक—पहिने अँकुर, तखन बालि, और अन्‍त मे बालि मे पाकल दाना। 29जखन अन्‍न पाकि जाइत छैक तखन ओ आदमी तुरत हाँसू चलबैत अछि किएक तँ कटबाक समय आबि गेल छैक।”
सरिसोक दानाक दृष्‍टान्‍त
(मत्ती 13:31-32, 34; लूका 13:18-19)
30तखन यीशु कहलथिन, “परमेश्‍वरक राज्‍यक तुलना कोन वस्‍तु सँ कयल जाय? कोन दृष्‍टान्‍त द्वारा ओकर वर्णन कयल जाय? 31ओ सरिसोक दाना जकाँ अछि। बाउग होमऽ वला बीया सभ मे सरिसोक दाना सभ सँ छोट होइत अछि। 32मुदा जखन ओ बाउग होइत अछि और बढ़ैत अछि तखन सभ साग-पात सँ पैघ भऽ जाइत अछि। ओकर ठाढ़ि एतेक पैघ भऽ जाइत छैक जे ओकर छाँह मे आकाशक चिड़ै सभ सेहो अपन वास स्‍थान बना सकैत अछि।”
33एहन आओर बहुत दृष्‍टान्‍त सभक द्वारा यीशु लोक सभ केँ परमेश्‍वरक वचन सुनौलथिन। 34जहिना लोक केँ बुझऽ मे आबि सकल तहिना शिक्षा देलथिन। बिनु दृष्‍टान्‍त देने ओ ओकरा सभ केँ कोनो बात नहि कहैत छलथिन। मुदा जखन अपन शिष्‍य सभक संग असगरे रहैत छलाह तखन ओ हुनका सभ केँ सभ बातक अर्थ बुझा दैत छलथिन।
अन्‍हड़-बिहारि पर यीशुक अधिकार
(मत्ती 8:23-27; लूका 8:22-25)
35ओहि दिनक साँझ मे यीशु अपन शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “चलू! झीलक ओहि पार चलू!” 36शिष्‍य सभ भीड़ केँ छोड़ि, जाहि नाव मे ओ बैसल छलाह ओहि नाव मे हुनका अपना संग लऽ कऽ चललाह। हुनका सभक संग आरो नाव सभ सेहो छल। 37एकाएक बहुत जोर सँ अन्‍हड़-बिहारि आयल। झील मे बड़का लहरि उठऽ लागल और नाव सँ टकराय लागल। नाव पानि सँ भरऽ लागल। 38यीशु नावक पछिलका भाग मे गेड़ुआ लगा कऽ सुतल छलाह। शिष्‍य सभ हुनका उठबैत कहलथिन, “यौ गुरुजी! अपना सभ डुबि रहल छी, तकर अहाँ केँ कोनो चिन्‍ता नहि अछि की?!”
39ओ उठि कऽ अन्‍हड़ केँ डाँटि कऽ झील केँ कहलथिन, “शान्‍त भऽ जो! थम्‍हि जो!” अन्‍हड़-बिहारि रूकि गेल और सभ शान्‍त भऽ गेल।
40तखन ओ शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ किएक एहन डेरबुक छी! की अहाँ सभ केँ एखनो तक विश्‍वास नहि होइत अछि?”
41ओ सभ अति भयभीत भऽ एक-दोसर केँ कहऽ लगलाह जे, “ई के छथि?! अन्‍हड़-बिहारि और लहरि केँ सेहो आज्ञा दैत छथिन तँ ओ सभ मानैत छनि!”

Currently Selected:

मरकुस 4: mai

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

YouVersion uses cookies to personalize your experience. By using our website, you accept our use of cookies as described in our Privacy Policy