हमरासिके यी भी मालुम छै कि मूसाके विधि-विधान परमेश्वरके नजरमे सही भेल आदमीसिके लिए नैछै मगर परमेश्वरके विधि-विधानके बेवास्ता करिके जानी-जानीके आज्ञा नैमानेवाला आदमीसिके लिए, आर परमेश्वरके आराधना नैकरेवाला आर निरन्तर पाप करेवाला आदमीसिके लिए, आर परमेश्वरके सम्मान नैकरेवाला दुष्ट आदमीसिके लिए, आर आपन मयाँ-बाबुके आर दोसर आदमीसिके जान मारेवाला आदमीसिके लिए छै। उटा विधि-विधान ऊसब आदमीसिके लिए भी छै जे व्यबिचारी, समलिंगी, आदमीके दास बनाबैके लिए अपहरण करेवाला आदमी, झुठ बोलेवाला आदमी, सच बोलैके वादा करिके भी झुठ बोलेवाला आदमी आर ऊ आदमीसिके लिए भी जे उटा सभे कुछु करैछै जकरा सही शिक्षा अपनासिके करैसे रोकैछै।